उज्जर कारी सामर भेलियै
आसे आसी झामर भेलियै
नहिये खसलै एकौ ठोप नोर
पाथर लग रहि पाथर भेलियै
हुनकर ठोरक लाली देवघर
चढ़िते चढ़िते कामर भेलियै
सोभै डोका सन के आँखि तँइ
जरिते जरिते काजर भेलियै
हुनकर हाथक आशीर्वाद छै
फटिते फटिते आँचर भेलियै
सभ पाँतिमे 222+222+212 मात्राक्रम अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
दोसर शेरक दोसर पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर अछि