बुधवार, 31 मार्च 2021

गजल

नौकर लग मजबूरी नमहर
मालिक लग छै पूँजी नमहर

बैसल गानै दाने दाना
भरले पेटक रोटी नमहर

बेरा बेरी घिरना पसरै
नेहक छै मंजूरी नमहर

हमहूँ देखल चानन लेपल
पाखंडी के वेदी नमहर

अपना देशक अतबे लीला
भूखल लग छरछोबी नमहर

"छरछोबी" मैथिलीमे प्रचलित नै अछि। एकर मतलब छै पैखानाक खत्ता। सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। बहरे-मीर। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

सोमवार, 22 मार्च 2021

गजल

अहिँक आश हमरा मदन हे मुरारी
हरू आब विपदा मदन हे मुरारी

सरस रास रचलहुँ नवल नेह गछलहुँ
घटल दिव्य घटना मदन हे मुरारी

हरषि हाल कहलक निजे निज कदम्बक
विमल धार जमुना मदन हे मुरारी

अपन आन कहलक कियो ने जगतमे
मुदा एक विधना मदन हे मुरारी

हुनक बोल सुनिते हमर पाप भागल
मधुर बोल बजना मदन हे मुरारी

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शुक्रवार, 19 मार्च 2021

गजल

विदित भेल अजुका समाचार सभटा
रहल अंत लेकिन निराधार सभटा

कियो छै खसल आ कियो छै शिखरपर
रचल खेल विधना धुँआधार सभटा

सगर काज देखू लकड़पेंच लागल
अपन आन संसार बेकार सभटा

कलापर टका केर दाबी बहुत छै
मधुर माछ मदिरा चिलम आर सभटा

कहीं एक दुनियाँ बसेने रही हम
मुदा कर्म बनलै हवलदार सभटा

हजूरक महलमे कते बाजि सकितहुँ
रहल बेरपर चुप वफादार सभटा

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

मंगलवार, 16 मार्च 2021

गजल

नमन हे सुपालक नमन हे दिगंबर
जयति हे विनाशक जयति हे विशेश्वर

सहज भक्ति जिनकर सरस शक्ति जिनकर
जयति हे महेश्वर महारुद्र विषधर

अटल छथि अचल छथि विमल छथि उमापति
नमन हे फणीश्वर महाकाल शंकर

जगतमे गगनमे अतलमे वितलमे
सदाशिव महामणि नमन हे जटाधर

महापाप मोचक महादेव भैरव
नमन हे त्रयम्बक जयति हे कलाधर

सभ पाँतिमे 122-122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

सोमवार, 8 मार्च 2021

गजल

बाजै घंटी सोभै आसन
ऊधो पापी लगबै चानन

किम्हर किम्हर भागल घूरत
रामा ताकै देशक शासन

धन्ना सेठक दुन्ना तागति
कबिरा जनता ताकै राशन

गहुमन शोभित मंचक आगू
राधे भाषण देलक धामन

देहक सुविधा मोनक दुविधा
माधव बूझू सजनी साजन

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों