शनिवार, 23 जनवरी 2021

गजल

रामा भोरे सपना देखल हो
रामा सत्ता देशो बेचल हो

अनकर घटनामे ताली थपड़ी
रामा सेहो घटना बीतल हो

छै हुनकर कोरा दुष्टक बैसक
रामा सधुआ अलगे फेकल हो

नग्रक खेला अलबेला खेला
रामा गामक सेहो देखल हो

जे रचतै से बचतै दुनियाँमे
रामा ताही कारण लीखल हो

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। भास पारंपरिक अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

बुधवार, 20 जनवरी 2021

आशीष अनचिन्हारक सभ गजल एकैठाम (3)

1

गलल छै पाथर मोमक दुनियाँमे
कहाँ किछु साबुत मोहक दुनियाँमे

फरेबे भेटल दोसक दुनियाँमे
इलाजो नै छै चोटक दुनियाँमे

नियम निष्ठा बचि जेतै हमरे लग
जरूरी नै छै पेटक दुनियाँमे

चला देबै दौड़ा देबै तैयो
रहत ओ फेरो लोथक दुनियाँमे

बहुत बड़का ई जादू छै हुनकर
पिया देने छै ओसक दुनियाँमे

मिटाबै हमरा सदिखन ई कहि जे
कियो ने पढ़तौ तेजक दुनियाँमे

सभ पाँतिमे 1222-222-222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे गोविन्द अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

2

रामा भोरे सपना देखल हो
रामा सत्ता देशो बेचल हो

अनकर घटनामे ताली थपड़ी
रामा सेहो घटना बीतल हो

छै हुनकर कोरा दुष्टक बैसक
रामा सधुआ अलगे फेकल हो

नग्रक खेला अलबेला खेला
रामा गामक सेहो देखल हो

जे रचतै से बचतै दुनियाँमे
रामा ताही कारण लीखल हो

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। भास पारंपरिक अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

3

गंगामे नहा नहा कऽ बाजत
पापी सभ ठठा ठठा कऽ बाजत

सीधा लोक केर नग्रमे जे
बाजत से घुमा फिरा कऽ बाजत

जकरा सत्य कहि गुजरि चलै छै
से गर्दनि कटा कटा कऽ बाजत

जक्कर मूँह मौधमे बसल छै
सदिखन से छुआ छुआ कऽ बाजत

कतबो जोड़ि लिअ विवेक संपति
बजनाहर घटा घटा कऽ बाजत

सभ पाँतिमे 2221-212-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

4

अगबे उठबै उधबा ठाकुर
अगते चाहै पछता ठाकुर

देहक तागति पुरना चुसलक
मोनक चूसै नवका ठाकुर

की सभ हेतै की नै हेतै
चुप्पे केलक चरचा ठाकुर
बसिया ठाकुर नाली फेकल
आँगन बैसल टटका ठाकुर

अनकर उन्नति बरदास्ते नै
चिन्ते बैसल बड़का ठाकुर

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

5

बाजै घंटी सोभै आसन
ऊधो पापी लगबै चानन

किम्हर किम्हर भागल घूरत
रामा ताकै देशक शासन

धन्ना सेठक दुन्ना तागति
कबिरा जनता ताकै राशन

गहुमन बैसल आगू पाछू
राधे भाषण देलक धामन

देहक सुविधा मोनक दुविधा
माधव बूझू सजनी साजन

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 


6

विदित भेल अजुका समाचार सभटा
रहल अंत लेकिन निराधार सभटा

कियो छै खसल आ कियो छै शिखरपर
रचल खेल विधना धुँआधार सभटा

सगर काज देखू लकड़पेंच लागल
अपन आन संसार बेकार सभटा

कलापर टका केर दाबी बहुत छै
मधुर माछ मदिरा चिलम आर सभटा

कतौ एक दुनियाँ बसेने रही हम
मुदा कर्म बनलै हवलदार सभटा

हजूरक महलमे कते बाजि सकितहुँ
रहल बेरपर चुप वफादार सभटा

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

7

नौकर लग मजबूरी नमहर
मालिक लग छै पूँजी नमहर

बैसल गानै दाने दाना
भरले पेटक रोटी नमहर

बेरा बेरी घिरना पसरै
नेहक छै मंजूरी नमहर

हमहूँ देखल चानन लेपल
पाखंडी के वेदी नमहर

अपना देशक अतबे लीला
भूखल लग छरछोबी नमहर

"छरछोबी" मैथिलीमे प्रचलित नै अछि। एकर मतलब छै पैखानाक खत्ता। सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। बहरे-मीर। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

8

जीवन बहुत रसदार छै
बस एकटा खौकार छै

निंदा परोसत बेर बेर
दुनियाँ बहुत दिलदार छै

मतलब निकालत मतलबी
मोनो हमर तैयार छै

छै भीखपर सेना मुदा
सुविधा सहित सरदार छै

किछु हाट आ किछु वस्तु छै
किछु लोक बस पैकार छै

सभ पाँतिमे 2212-2212 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रजज मोरब्बा (दू) सालिम बहर अछि। दोसर शेरक पहिल पाँतिक अंतम लघु छूटक तौरपर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।  


9

दुनियाँ बहुते क्रूर महोदय
सपना चकनाचूर महोदय

आनक नाँगरि देखि हँसू नै
देखू अप्पन खूर महोदय

अपराधी ओ भूख अशिक्षा
सभटा अछि मंजूर महोदय

कोना जरलै गाम पता नै
चुप्पे रहलै घूर महोदय

सुविधा गेलै बाँस बरेली
कत्ते मूनब भूर महोदय

सभ पाँतिमे 22-22-21-122 मात्राक्रम अछि।

10

बात बाजै जोर चोट्टा
देश बेचै चोर चोट्टा

आँखिमे की छै गरीबक
बाँचि गेलै नोर चोट्टा

आस खेलक साँझ सभहक
खून पीतै भोर चोट्टा

एक गुड्डी छटपटेलै
तोड़ि देलक डोर चोट्टा

लोक मानै लोक जानै
लोक छै लतखोर चोट्टा

सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम (बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी) अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

11

फरेबक नियम मुँहजबानी बतेलक
मरबकेँ विकासक निशानी बतेलक

अपन खर्चकेँ मानि बैसल जरूरति
हमर खर्चकेँ ओ फुटानी बतेलक

जखन तर्क मँगलहुँ तकर बाद बुझलहुँ
अपौरुष कहीं आसमानी बतेलक

नरेटी दबेलक कियो आबि चुप्पे
कियो आबि चुप्पे कहानी बतेलक

कनी बात ठोकर सिखा गेल हमरा
कनी बात ई बुद्धिमानी बतेलक

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

12

जहिया एलै जहिया गेलै
खतरा एलै सुविधा गेलै

हुनको नै कहि सकलै झुट्ठा
हमरो बाजल पतिया गेलै

सरकारक संगे अइ देशक
सरबा सिस्टम सठिया गेलै

देहक तागति बँचले बाँचल
नमरल खर्चा निहुरा गेलै

अतबो सुधि रहलै दैता लग
किछु बुझि लाजे कठुआ गेलै

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

13

आर सिस्टम पार सिस्टम
मारि देलक सार सिस्टम

हाथ चाबुक जेब भारी खूजि गेलै द्वार सिस्टम

के नदी छै के समुंदर
बाप छै ई धार सिस्टम

नीक कहियो भेल हेतै
आब भेलै भार सिस्टम

बाँझ खेतक मोन अतबे चोख चाही फार सिस्टम

सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम (बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी) अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। आर जिलेबी पार जिलेबी ई हमर लिखल बहुत पुरान गजल अछि जकर प्रयोग एहिमे हम केलहुँ।

14

उजड़ल धरती उजड़ल गगन
जनता जानक भेलै हवन

झाँपल नेहक उघरल विरह
टुक टुक ताकै दू गो नयन

छै पावन भारत भूमिपर
संसद माने भड़ुआ भवन

बाहर योगासन साधि कऽ
भीतर केलक बहुते पतन

किछु शब्दे जीतै के कते
जे जे जीला तिनका नमन

सभ पाँतिमे 22-22-22-12 मात्राक्रम अछि। चारिम शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघुकेँ संस्कृतक परंपरानुसार दीर्घ मानल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।  


15


अपन औकात अनुरूपे विधाता ताकि लेने छी
तमाशामे तमाशा बनि तमाशा ताकि लेने छी

जते तकलहुँ तते भेटल जते भेटल तते छूटल
गरीबक माथपर टाँगल भरोसा ताकि लेने छी

बना दुनियाँ बसा दुनियाँ जहाँ चलि गेल छै दुनियाँ
तकर पूरा पता लीखल खजाना ताकि लेने छी

नुका राखत कते हमरासँ हमरा सामनेमे ओ
हजारक भीड़मे हुनकर इशारा ताकि लेने छी

मुकरि जेतै कियो कहियो बदलि जेतै कियो कहियो
अही कारणसँ हमहूँ ई सहारा ताकि लेने छी

सभ पाँतिमे 1222-1222-1222-1222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे हजज मोसम्मन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।  

16

केलक खचरै मोक्ष मोह
सदिखन जनमै मोक्ष मोह 

दोसर लोकक बात मानि
लड़ि कटि मरलै मोक्ष मोह
के छै साधक के असंत
खिस्सा सुनबै मोक्ष मोह

सभकेँ सभमे ओझरा कऽ असगर रहलै मोक्ष मोह

निष्ठुर धर्मक राजनीति फँसबे करतै मोक्ष मोह 

सभ पाँतिमे 22-22-2-121 अछि। ई बहरे लोचन अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

17

दाबल नियम थकुचल नियम
दरबारमे निहुरल नियम

श्रद्धा सहित निष्ठा सहित 
विश्वासमे ठिठुरल नियम

चुपचाप रहि जेबाक छै
निष्कर्षपर पहुँचल नियम

हमरे जकाँ दौड़ल तखन
सरकार लग पहुँचल नियम

कारण बहुत छै एकरो
छै लाशपर चतरल नियम

सभ पाँतिमे 2212-2212 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 


18

केकरो चाहि कऽ देखि लेलियै हम
मोनकेँ डाहि कऽ देखि लेलियै हम

पेटमे डूबि कऽ आबि गेलियै आ
भूखकेँ थाहि कऽ देखि लेलियै हम

उम्र लग कोन कहाँ नियत खजाना
उम्रकेँ ढाहि कऽ देखि लेलियै हम 

अंतमे घूमि कऽ आबि गेल इच्छा
जीहकेँ साहि कऽ देखि लेलियै हम`

आब तैयार कऽ सकबै नीक लहठी
नोरकेँ लाहि कऽ देखि लेलियै हम 


सभ पाँतिमे 2122-11-212-122 मात्राक्रम अछि। अंतिम शेरक पहिल पाँतिमे एकटा दीर्घकेँ लघु मानल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

19


संस्था संस्था खेलब बहिना
सदिखन सभटा लूटब बहिना

दुखमे सुखमे की छै हालति
अपने सन से बूझब बहिना

अट्टा पट्टा कुर्सी सत्ता
कह ने की की राखब बहिना

असगर आँगन हमहूँ असगर
अपने लग की बाजब बहिना

ई नाटक छै बस नाटक छै
फाटल परदा घीचब बहिना 

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि।

20

वचन सूनि बुझलहुँ देवता विशारद
करम देखि बुझलहुँ आपदा विशारद

जते जे सुनेलथि नीक मीठ बोली
कहीं ने कहीं छथि वेदना विशारद

बहुत बेर पुजलक पर्व लाकडाउन
मजा मारि रहलै साम्यता विशारद

कहीं देखि शायद धारणा बनल छै
कुकर्मेसँ जीबै चेतना विशारद

रहल दूर दूरे ज्ञान गुण करीबी रहल आस पासे सूचना विशारद

सभ पाँतिमे 122-122-212-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

21

प्रश्न एलै गरीबक
पास भेलै विधायक

बेरपर तोड़ि दैए
चालि केहन बजारक
छै बहुत दाम एकर
नोर छी हम अमीरक

ओ गला देत कहियो
दालि छी हम दियादक

डूबि गेलै नशामे
नाम सत्ता अराजक

सभ पाँतिमे 2122-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

22

या तँ राखि ले अपना लग
या तँ आबि जो हमरा लग

साज बाज बहुते बजबै
भोर साँझ ओ बहिरा लग

किछु विकास खातिर हमहूँ
आबि गेल छी चिकबा लग

आरि खेतमे झगड़ा छै
पंच बनि कऽ छी हत्था लग

नेह छो रखलक बहुते
फेर गेल ओ अनका लग


सभ पाँतिमे 212-122-22 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

23

कोबरमे दुल्हा कुर्सीपर नेता सोभै हो
के जानै जे बाहर बैसलपर की बीतै हो

जत्ते मूर्खक संगत ततबे से बड़का लेखक
जीवन भरि चारण बनि सुगरक गोबर लीखै हो

पहिने बेचल संपति तकरा बादे मोनोकेँ
इम्हर देखू चुप्पे पूरा देशो बेचै हो

जकरा हिस्सा रहितै बर्फी छेना रसगुल्ला
से सभ रस्तापर बैसल ऐंठे टा चीखै हो

जनता पापी चुप्पे रहलै बस चुप्पे रहलै
डकुआ नेता ठकुआ नेता बहुते बाजै हो


सभ पाँतिमे 22-22-22-22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। भास पारंपरिक अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

24

सादा कागजपर लिखाएल आँगन
अपने आँगनमे बिकाएल आँगन

जखने एलै डेग के गंध लगमे
नवकी कनियाँ सन लजाएल आँगन

कतबो बड़का छी पहलवान तैयो
छिटकी मारै छै जुआएल आँगन

तोरे कहने छोड़ि देबै अपन घर
तोरे बापक छौ लगाएल आँगन

बहुते भारी से बुझाएत कहियो
अपने कन्हापर उठाएल आँगन

सभ पाँतिमे 22-22-2122-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

25

चलबै तेहन चक्कर समय
अपने मरलै असगर समय

दुनियाँ खातिर बिसुखल रहै
हुनका खातिर लगहर समय

कहियो पुछियौ कुसियारकेँ
सिट्ठी बनलै रसगर समय

हेतै जे जिम्मेदार किछु
तकरे दै छै टक्कर समय

जोड़ै छै अपना भरि मुदा
बहुते घटलै धनगर समय

सभ पाँतिमे 22-22-2212 मात्राक्रम अछि। छूट लैत एकरा 2122-2212 सेहो मानि सकैत छी। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

26

कियो पुछलक सुखी के छै
कियो कहलक खुशी के छै

पकड़ि लै छै बिना गलती
पता करियौ बरी के छै

कथीपर नाचि रहलै ओ
अथी साँती अथी के छै

गलत पूरा गलत तकलहुँ
सही पूरा सही के छै

कियो बुझि अप्सरा हमरा
पुछैए जे परी के छै

सभ पाँतिमे 1222-1222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे हजज मोरब्बा सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

27

सरस शब्द कमला बिला गेल छै
मधुर बोल कोसी खिया गेल छै

हवा पानि तेहन लगा गेल छै
बहुत तीर अपने बिझा गेल छै

हितैषी बनैए प्रजा केर ओ
चितापर चिता जे सजा गेल छै

किए जोड़ि देलक पता से करू
बहुत बेर अहिना घटा गेल छै

लिखा गेल हेतै पतापर पता
पता नै ककर की घुरा गेल छै

खसल बुन्द अत्ते हुनक दर्द के
हमर टीस कहुना मिझा गेल छै

सभ पाँतिमे 122-122-122-12 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मुतकारिब केर मुजाइफ रूप अछि।

28

शुभ सुमंगल जोग जौबन आइ लीखल जोग जौबन बेरपर के काज एतै पूछि बैसल जोग जौबन राजनीतिक मंच माध्यम फेर भेटल जोग जौबन मर्म बुझियौ किछु पियासक छै अछिंजल जोग जौबन देह अलगे घाम एकै थाकि सूतल जोग जौबन सत्य अतबे छै जगतमे भ्रम पसारल जोग जौबन सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

29

जहर डुबल छै बान सुपारी लइए लेलक जान सुपारी सूनब कठिन अवाज सुदीनक पथने रहलै कान सुपारी की देबै उपदेश सिनेहक चीन्है अप्पन आन सुपारी खिस्सा खतम आ पैसा हजम सद्धम बद्धम पान सुपारी

महँगा महँगा बाँचल रहलै सदिखन भेलै दान सुपारी

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। "सद्धम बद्धम पान सुपारी" ई पाँति बच्चामे सूनल पाँति अछि।

30

अमीरक निशानी डबलपर डबल छै गरीबक निशानी घटलमे घटल छै कते बात बाजब सियारक शहरमे हमर जीह अत्तहि अहीपर रुकल छै बहुत छूटि गेलै तकर बाद तैयो गमक एक कनमा रचल ओ बसल छै हवामे हियाकेँ मिला लेत दुनियाँ जते ई कठिन छै तते ई सरल छै हमर पाँति पढ़िते सभा पूछि बैसल ककर नोर अत्ते गजलमे लिखल छै सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

31

भेल कुपित हजारपर इजोरिया
ललकै छै लचारपर इजोरिया

सहायता केने रहियै कहियो
बैसल छै कपारपर इजोरिया

घुप्प घाप अन्हारक दुनियाँमे
रहिते छै रडारपर इजोरिया

ध्वंसक राग भास बहुत तालमे
गाबैए गिटारपर इजोरिया

छै हुनकर हाथक साँठल थारी
उगि गेलै सचारपर इजोरिया

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। ई बहरे मीर अछि।  

32

लोक जूटै उठानमे
या कि फेरो भसानमे

मोन पड़लै बहुत मुदा
डूबि गेलहुँ गुमानमे

ताकि लेतै कियो कहीं
छाँह भेटत निशानमे

क्षोभ दुख लोभ लाभ सभ
तत्व अतबे महानमे

किछु जहर साँपमे बसल
किछु जहर छै विधानमे

सभ पाँतिमे 212-212-12 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

33

दर्दमे दर्दपर जी खिया जाइ छै बेरपर केहनो सुख सुखा जाइ छै

देह छै देहपर की भरोसा कते प्राण छै प्राण झटमे झिका जाइ छै 

जोड़तै किछु हृदय से कहाँ छै नियम
जोड़लो छै हृदय से घटा जाइ छै

एक धधरा कहीं एक चिनगी कहीं ई मिझा जाइ छै ओ धधा जाइ छै

झाँपि सकतै कते पोछि सकतै कते आँखिमे नोर अबिते बुझा जाइ छै

सभ पाँतिमे 212-212-212-212 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मुतदारिक मुसम्मन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

34

ओ जहिया भेलै बटुआधारी
ओ तहिये बनलै इच्छाधारी

हमर सर्वनाम बनि अबैत रहल
हलंत सन के किछु संज्ञाधारी

ई सभ अदौसँ होइत एलैए
पनीरक जाँघ तर सतुआधारी

जे उपरा उपरी निष्ठा मानै
से भितरे भीतर तृष्णाधारी

काजुल लोकक लाशपर रहै छै
गिद्ध बनि कऽ सदिखन तगमाधारी

सभ पाँतिमे 22-22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

35

सत्ता सुखक अभ्यासमे हथियार छै टूटल जकाँ
थकुचल गदा पिचकल धनुष तलवार छै मुरछल जकाँ

दुख होइ छै स्त्रीकेँ मुदा स्वीकार छै परिवार लेल
बाली जकाँ चूड़ी जकाँ डरकस जकाँ पायल जकाँ

जइ नग्रमे जइ गाममे दर्दक असरि बेसी रहत
तइ नग्रमे तइ गाममे सदिखन रहब पागल जकाँ

ओ ढोंग के अइ दोगमे बड़ नीक बनि गेलै मुदा
किछु काल धरि किछु साल धरि तइ बाद छै थाकल जकाँ

अंतर बहुत अर्थो बहुत छै बात बातक बातमे
ई मोन छै भरछल जकाँ ओ जीह छै दागल जकाँ

सभ पाँतिमे 2212-2212-2212-2212 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रजज मुसम्मन सालिम अछि। दोसर शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघुक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

36

इम्हर विदा भेल छै
उम्हर कना गेल छै

जे देखि सकलहुँ अहाँ
हुनके कृपा देल छै

चुप्पे रहत चोर सभ
सभहक अते मेल छै

झाँपल रहै तथ्य ई
सरकार सभ फेल छै

जोगाड़ किछु हो कहीं
अतबे हुनक खेल छै

सभ पाँतिमे 2212-212 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

37

विमर्शे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै
कि तर्के जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

सजा देब हम शब्दकेँ आवरणमे
ई अर्थे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

गमा देल जीवन अही मर्म खातिर
से मर्मे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

कुकर्मक हिसाबे किए लेब बहिना
सुकर्मे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

किए श्राद्ध पचतै किए पानि रुचतै
ई कर्ते जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि। किछु शेरमे एक अक्षरीय दीर्घकेँ लघु मानि लेबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

38

घरहिमे उगल छै तरेगन
हृदयमे बसल छै तरेगन

विकासक कऽ अनघोल सौंसे
तुरंते घुरल छै तरेगन

अबारा हवा मेघ मौसम
अबारा बनल छै तरेगन

जहाँ धरि रहै चान सूरज
तहाँ धरि मरल छै तरेगन

हमर के हुनक के किनक के
अहीमे फँसल छै तरेगन

सभ पाँतिमे 122-122-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


39

अजगुत जोड़ी हथियार सत्ता
तइपर फेरो सरकार सत्ता

सत्ते भीतर बुधियार सत्ता
अँगने आँगन बटमार सत्ता

देखाबै छै सुंदर हँसी आ
नुकबै छै नोरक धार सत्ता

नतमस्तक भेलै पाइ आगू
दुखिया लग छै फुफकार सत्ता

कहुना जीबै ई देश दुनियाँ
अतबे केलक उपकार सत्ता

सभ पाँतिमे 22-22-2-2122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

40

टुक टुक ताकै विस्थापित बहार
पागल लागै विस्थापित बहार

स्थापित छै जँइ तँइ काँटक महंथ
सभटा जानै विस्थापित बहार

कतबो छल बलगर कतबो बुलंद
तैयो भेलै विस्थापित बहार

कहियो ने कहियो एतै बसंत
अतबे बाजै विस्थापित बहार

हमरे बलपर केने राज साज
हमरे ढाहै विस्थापित बहार

सभ पाँतिमे 222-222-2-121 मात्राक्रम अछि। ई बहरे लोचन अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

41

लेखक केर छवि रचनासँ बेसी
रचना केर छवि कचरासँ बेसी

धोखा देत सदिखन बूझि लिअ से
मीलत मोन किछु जकरासँ बेसी

जे धेने तराजू पाइ बलपर
भेटल ओकरा हिस्सासँ बेसी

भदवा केर चलती भेल अहिना
आँखिक नोर छै जतरासँ बेसी

डेराइत रहू सदिखन अहाँ हम
खतरा केर छवि रक्षासँ बेसी

सभ पाँतिमे 22-2122-2122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

42

सुविधा चुनलक नवका आँगन
चुप्पे रहलै पुरना आँगन

जकरा बुझलहुँ कमला कोसी
धधरा धधकै तकरा आँगन

के केहन छै केहन नै छै
जानै सभहक महिमा आँगन

भूखक मारल जनता सौंसे
धमगिज्जर छै राजा आँगन

अरजै कीनै भोगै बाहर
बाँचल रहलै कहुना आँगन

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि।

43

लटकन झटकन सिंगार सोहावन
नव नौतारक संसार सोहावन

नै बँचतै कोनो शब्द वा साहस
सत्ता चाहै प्रतिकार सोहावन

खा रहलै दुखमे बोरि सुख सुविधा
बहुरुपिया के परचार सोहावन

आगूमे लाशक ढेर तइ बादो
सुनिते रहलै जैकार सोहावन

ओ सपना इच्छा बेचि लेने छै
बड़का बड़का पैकार सोहावन

सभ पाँतिमे 22-22-22-1222 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

44

हम बैसल छी रस्ता बना कऽ
ओ सुखमे अछि गलती गना कऽ

ए.सी पुछलक तेहन सवाल
चुप्पे रहलहुँ घामे नहा कऽ

खाली छै जेबी अंत काल
बुझलहुँ पूरा दुनियाँ कमा कऽ

फाइल बिहुँसै भरि बाट घाट
आ ई घूसो हँसलै भभा कऽ

अतबे गुण छै ओकर सदासँ
मारै पूरा दुनियाँ जिया कऽ

गुण बिन किछु नै छै रूप रंग
से देखल अपने के सजा कऽ

सभ पाँतिमे 22-22-22-121 मात्राक्रम अछि। ई बहरे लोचन अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

45


बोल हुनकर मधुरक पथार राजा जी
भोट दैते जरलै कपार राजा जी

की कहू हम कहि ने सकब अते खिस्सा
बातमे बाते छै हजार राजा जी

भूख लागल छै केकरो मुदा इम्हर
आन आगू लगलै सचार राजा जी

छल भरोसा पैकार संग सरकारक
आब भेलहुँ बहुते लचार राजाजी

कोन कारण आएल छथि हमर आँगन
भेल हेतै कोनो नियार राजाजी

सभ पाँतिमे 2122-2212-1222 मात्राक्रम अछि। मतलाक काफिया आ रदीफ लोकधुनसँ प्रेरित अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

46

किछु नदी किछु धार लिखबै
आस बारम्बार लिखबै

शांति चाही बस शहरमे
दर्दमे डिहबार लिखबै

साँचकेँ जनता लिखल हम
झूठकेँ सरकार लिखबै

किछु हँसी रहतै मधुर सन
किछु हँसी खुंखार लिखबै

ओइ पारक बात घटना
बैसि हम अइ पार लिखबै

सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


47

सत्य कहि केकरो बुझेनाइ मानू
साँपकेँ गुदगुदी लगेनाइ मानू

के कहाँ की कते लऽ जेतै दऽ जेतै
प्रश्न पूछब समय गमेनाइ मानू

आसपर लूटि लेत सरकार सभटा
बस अहाँ एकरा लुटेनाइ मानू

बंधु सभ तोप दागि मच्छर उड़ाबथि
ईहो दुश्मन जकाँ उड़ेनाइ मानू

जे जहाँ भेटि गेल आशा निराशा
अंतमे एकरे कमेनाइ मानू

सभ पाँतिमे 212-212-122-122 मात्राक्रम अछि। गजलमे मान्य छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

48

अहिना नै दिलदारी छै
चक्कर ई सरकारी छै


जे सभ गेलै जनता लग
सेहो सभ दरबारी छै

असगर रहतै दुनियाँमे
केहन   बुधियारी छै

सहयोगक आसा किछु नै
बस अगबे टिटकारी छै

बाहर बाहर अमरित रस
भीतरमे महकारी छै

सभ पाँतिमे 22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


49

जखन दरबार बनि गेलै
तखन किछु चार बनि गेलै

जहर पीने रही एना
गलाकेँ हार बनि गेलै

भरोसापर रहल लटकल
भरोसा भार बनि गेलै

रहै इच्छा बनब करुणा
मुदा खुंखार बनि गेलै

टुटल बहिनोइकेँ नै मान
धनी लग सार बनि गेलै


सभ पाँतिमे 1222-1222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे हजज मोरब्बा सालिम अछि। गजलमे मान्य छूट लेल गेल अछि।सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

50

देश अमरित राज्य अमरित नेत धरि अमृताह छै
ताहि बादो लोक सभ एना किए मरखाह छै

नोर हुनकर नोर हमरो फर्क भेटत किछु मुदा
नोर हुनकर देर धरि चुप आ हमर अगुताह छै

बाँस छीलल हो कि बेछिल्ले मुदा हेतै असरि
के कहाँ आ के कते से आब नै परवाह छै

आस टुटतै संग छुटतै बात ई बूझल रहै
संग तइयो देल कारण जिद्द बड़ जिदियाह छै

खकसियाहा केर चक्करमे हमर सपना रहल
फेर कहलह आँखि के सपने बहुत झड़काह छै


सभ पाँतिमे 2122-2122-2122-212 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोसम्मन महजूफ़ अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

51

भरोसपर जते टुटल इजोरिया
अलग तते अलग रहल इजोरिया

मलाइ चाटि बेस फाटि गेल जे
बना रहल तकर महल इजोरिया

अधीर भेल नीक नीक लोक सभ
जखन जखन हुनक रुसल इजोरिया

बजारमे गुलाम भेल रौद सभ
मुदा कहीं टिकल रहल इजोरिया

जकर भरोसपर उड़ल अकासमे
तही विकास तर दबल इजोरिया

सभ पाँतिमे 12-12-12-12-12-12 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

52

जइ समय जइ काल दुश्मन जा रहल छल जान लेने
ठीक तखने दोस पहुँचल ढेर ढाकी ज्ञान लेने

पाइ जेबीमे नै रहने बुझि लियौ उन्टे रहत गति
मूँह पाकत पानि पीने हाथ पाकत चान लेने

ओकरा हमहीं सिखेलहुँ रूप बदलब रंग बदलब
अंतमे चलि गेल हमरे मूँह हमरे कान लेने

मूर्ख चुनि लिअ यदि अहाँकेँ अछि जगतमे सुखसँ रहबाक
खूब पछताइत रहब हमरे जकाँ विद्वान लेने

नौकरीसँ प्राण बाँचल छै गरीबक बात मानू
देखि लिअ हालति हुनक जे सभ रहथि खरिहान लेने

सभ पाँतिमे 2122-2122-2122-2122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोसम्मन महजूफ़ अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। दू शेरमे गजलक मान्य छूट लेल गेल अछि। 


53

अपन दूरी अपने नपैए टिटिम्भा
बुड़ित्वक शिखर सन लगैए टिटिम्भा

हरा ने सकब ओकरा मानि लिअ ई
समाजक बलें जे जिबैए टिटिम्भा

रहै लोभ बहुतक तही लेल देखू
धनी केर जुत्ता चटैए टिटिम्भा

अगम बाटपर सत्य साधक चलै छथि
सुगम बाटपर उड़ि चलैए टिटिम्भा

गरीबी कनेने रहै ओकरा तँइ
गरीबक शिकारी बनैए टिटिम्भा

हमर हो अहाँ केर हो वा कि किनको
सदति मोनमे बसि रहैए टिटिम्भा

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि। मतलामे मान्य छूट लेल गेल अछि। ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

54

आबि सभटा गेल अहिना
चलि रहल धुरखेल अहिना

तेज घसकल काज भेने
छै सटल बकलेल अहिना

लोक देखाँउस करैए
घटि रहल छै तेल अहिना

सत्य माँगै त्याग बहुते
झूठ ठेलमठेल अहिना

माटि ईगो खाद कुंठा
बढ़ि रहल विषबेल अहिना

सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

55

आइ राजा उदास रहतै
काल्हि चमचा उदास रहतै

आब के केकरा धऽ बैसत
आस अहिना उदास रहतै

बालु गिद्टी खसल पड़ल छै
घास पथिया उदास रहतै

छद्म रस केर आस रखने
रंग रसिया उदास रहतै

हर घडी हर पहर हँसा कऽ
पूरा महिना उदास रहतै

सभ पाँतिमे 212-212-122 मात्राक्रम अछि। अंतिम शेरक दूनू पाँतिमे गजलक मान्य छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

56

आर या पार किछु तऽ हेतै
बीच दरबार किछु तऽ हेतै

मारि भेलै मुदा तकर जड़ि
कवि पुरस्कार किछु तऽ हेतै

काज ओकर भऽ जाइ पूरा
तेज तर्रार किछु तऽ हेतै

घीचि रहलै समय समयपर
डीह डिहबार किछु तऽ हेतै

काटि देने रहै भिरा कऽ
जीह तलवार किछु तऽ हेतै


सभ पाँतिमे 212-212-122 मात्राक्रम अछि। अंतिम शेरक पहिल पाँतिमे गजलक मान्य छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

57

रसिकता छै बहुत बेसी जमानामे
आ लुच्चा छै बहुत बेसी जमानामे

हमर हक मारि बैसल छै हगलगंडा
कमीना छै बहुत बेसी जमानामे

असली भूख लगने भेटि जेतै रस
गुजारा छै बहुत बेसी जमानामे

गलत गलते रहत सभदिन सही कारण
तरीका छै बहुत बेसी जमानामे

कहल आ बेकहल दुन्नू दिशा देखू
नमूना छै बहुत बेसी जमानामे

घटल छै लक्ष्य दुनियाँमे मुदा इम्हर
निशाना छै बहुत बेसी जमानामे

घटा देलक हटा देलक मिटा देलक
तमाशा छै बहुत बेसी जमानामे

जरूरी नै जे हुनके लग दया बाँचल
विधाता छै बहुत बेसी जमानामे


सभ पाँतिमे 1222-1222-1222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे हजज मोसद्दस सामिल अछि (एकरा बहरे हजज सालिम छह रुक्नी सेहो कहल जाइत छै)। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

58

सबूतक कमी नै निशानक कमी नै
दरेगक कमी छै फरेबक कमी नै

रहल लाश सड़िते हमर संग अनको
चिता के कमी या जमीनक कमी नै

कहींपर बुझौअलि कहींपर पहेली
समय साल कोनो रहस्यक कमी नै

कतौ भूख नै छै कतौ रोग नै छै
कहत बात ईहो गवाहक कमी नै

सही लेल दुनियाँ अभावे गनेलक
गलत लेल देखू कुबेरक कमी नै

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

59

ओ छल सदति दुश्मन मुदा
पहुँचल हमर आँगन मुदा

कोबर भने हो काल्पनिक
छै सत्य ई परिछन मुदा

पसरत जहाँ हिंसा कपट
चौपट तहाँ जीवन मुदा

किछु फर्क हेतै मानि लेल
हम देखलहुँ अनमन मुदा

केने रही बस आस किछु
पाछू रहल परिजन मुदा

हो आइ या की काल्हि धरि
हेबे करत गंजन मुदा

सभ पाँतिमे 2212-2212 मात्राक्रम अछि। ई बहरे बहरे रजज मोरब्बा सालिम अछि। गजलक चरिम शेरक पहिल पाँतिमे मान्य छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

60

किछु नै कहलक ओ कहियो कऽ
हमहूँ नै बुझलहुँ बुझियो कऽ

दुश्मन यदि हो अपने लोक
रहि सकबै कोना हटियो कऽ

जे जे रहलै हुनका संग
ओकर गिनती नै रहियो कऽ

लिखलहुँ हम जेहन जे पाँति
अपनो नै बुझलहुँ लिखियो कऽ

सारापर करतै जयकार
लेखककेँ नै सुख मरियो कऽ

सभ पाँतिमे 22-22-22-21 मात्राक्रम अछि। ई बहरे विदेह अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों