रविवार, 14 जून 2026

गजल

चलू प्रेमक नगर सजनी बसाबै छी

दुनू प्रीतक डगर मिलि कय सजाबै छी

 

रहे दुनियाक डर ई आब कनिको नहि

हियामे दीप नेहक ओ जगाबै छी

 

जखन कखनो गबै छै कोइली वनमे

मधुर बंसी अहीं संगे  बजाबै छी

 

अलग कखनो कियो नहि कय सकत हमरा

करेजा खोलि सप्पत खा बताबै छी

 

मधुर गाइब गजल सुरमे हिया बोड़ल

सिनेहक छांवमे ‘मनु’केँ सुनाबै छी

 

(बहरे हजज, मात्राक्रम : 1222-1222-1222)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 10 जून 2026

गजल

सभसँ  बड़का गजलगोहि वर भेटलै

राति दिन ओ चलाबैत हर भेटलै

 

सोचि गेलहुँ भरोसा जकर कय क हम
गाममे नहि कतौ ओ तँ घर भेटलै  


सत्य बजबाक साहस किए नहि कतौ

हाकिमक आँखिमे आइ डर भेटलै

 

जीत लेलक सभक मोन ओ गाममे

देख ओकर हृदय भक्त बड़ भेटलै

 

‘मनु’ निभेनाइ नेहक कठिन अछि बुझल

काँट रोपल अपन पैर तर भेटलै

 

(बहरे मुतदारिक, मात्राक्रम : 212-212-212-212)

✍🏻 जगदानन्द झामनु


सोमवार, 8 जून 2026

गजल

छूलक जे मोनसँ ओ आखर कहि दिअ

आँखिसँ जे पीलौं ओ सागर कहि दिअ

 

निर्मोही दुनियामे सभ मतलबकेँ

धोखा जे देलक ओ पाथर कहि दिअ

 

मोनक कोठीमे छी जे दुख रखने

आजुक दिन ओ सभकेँ सादर कहि दिअ

 

नेहक रस छलकैए आँखिक रस्ता

प्रेमसँ भरि ओ सुंदर गागर कहि दिअ


प्रेमक आगिसँ  जीया धड़कय  लागल

कोमल मोनक ‘मनु’ ओ कातर कहि दिअ 

 

(बहरे मीर, मात्राक्रम : 22-22-22-22-22)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 3 जून 2026

गजल

जीवनक मेटैत अन्हार बाबूजी

छथि हमर भाग्यक सगर द्वार बाबूजी

 

छोड़ि सुख काटैत राति-दिन दुख छथि

प्रेम परिवारक तँ आधार बाबूजी

 

केहनो संकट  अबै ठाढ़  सोझाँ ओ

छथि घरक अनमोल रखवार बाबूजी

 

आँखिमे आशीष लेने हियामे डर

छी अहीं बच्चाक संसार बाबूजी

 

हारि कखनो जीवनक खेलमनु’ गेलै

सामने मुस्कैत पतवार बाबूजी

 

(बहरे कलीब, मात्राक्रम : 2122-2122-1222)

✍🏻 जगदानन्द झामनु


मंगलवार, 2 जून 2026

गजल

साधु छै चोर मिल कहै चोर सभ

झूठकेँ सत्य एतय रटै चोर सभ

 

देखि उन्नति लगातार सगरो सभक

भीतरहि डाहमे जड़ि मरै  चोर सभ

 

लूटि कय गाम आ देश जे गेल खा

मंच पर आबि नेता बनै चोर सभ

 

राति दिन खैट शोणित गरीबक बहै

आइ चैनसँ महलमे रहै चोर सभ

 

घोर कयने कते पाप संसारमे

आब ‘मनु’ न्याय डंडसँ डरै चोर सभ

 

(बहरे मुतदारिक, मात्राक्रम : 212-212-212-212)

✍🏻 जगदानन्द झामनु

 


रविवार, 31 मई 2026

गजल

आजुक जीवनमे नहि नेहक मोल

बिन वर्षा नहि कनिको मेहक मोल

 

काका मामा भैया सभ धन केर

पाइक आगू नहि छै देहक मोल

 

आन्हर की बुझतै फूलक सौंदर्य

लेहरु नजरिसँ जेना लेहक मोल

 

नश्वर ई काया हेतै माटीक 

ककरो नहि जनतब छै खेहक मोल

 

जगमे रहते सभ दिन कपटी लोक
भेटत कखनो नहि ‘मनु’ छेहक मोल

 

(बहरे विदेह, मात्राक्रम : 22-22-22-22-21)

·  मेह  - माने मेघ/बादल या वर्षा, मेह केर दोसर अर्थ दाउन करै लेल गाड़ल गेल खूट्टा, जकर चारू कात बरद घुमै छै।

·  लेहरुलहैर, अत्यधिक गर्म प्रदेशमे रहै बला, दोसर अर्थ नेहरु, गाम घरमे कतेक ठाम नेहरुक उच्चारण लेहरु कयल जाइत अछि।

·  लेह  - लेह-लद्दाख/ अत्यधिक ठंढा प्रदेश

·  खेह  - माने धूल, गर्दा वा छाउर

·  छेह  - माने अंत, सीमा, वा दुखक पराकाष्ठा।

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 27 मई 2026

गजल

रूसल पियाकेँ मनेबै कोना हम
अपनो हियाकेँ दखेबै कोना हम


नयनासँ धारा कते नोरक बहिरहल

मोनक विरहकेँ नुकेबै कोना हम

 

छी आँखिमे आस बहुते रखने सजल

नेहक डगरकेँ बिछेबै कोना हम

 

प्रेमक सबक बिसरिए गेलाह सभ

विधि प्रेम हुनका सिखेबै कोना हम

 

भोरक किरण बनि अएलहुँ यौमनुहमर

सुख आब नेहक नुकेबै कोना हम

 

(बहरे सगीर मात्राक्रम : 2212-2122-2212)

✍🏻 जगदानन्द झामनु



तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों