शुक्रवार, 31 मई 2019

गजल

अखबारे सरकार छै
सरकारे अखबार छै

ई बुझलहुँ केनाहुतो
उपकारे अपकार छै

राजा मंत्री आ प्रजा
दरबारे दरबार छै

एलहुँ हम सुख दुख भुजा
संसारे कंसार छै

अइ धनिकक जनतंत्र लेल
रखबारे रखबार छै

सभ पाँतिमे मात्राक्रम 22-22-212 अछि। अंतिम शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शुक्रवार, 24 मई 2019

गजल

कहलथि सरदार भुँइ भुँइ सिंग
जनते बेकार भुँइ भुँइ सिंग

हे नीपि पोति राखू आँगन
एथिन सरकार भुँइ भुँइ सिंग

असगर राजा असगर रानी
असगर दरबार भुँइ भुँइ सिंग

प्रेते सन छनि जीवन हुनकर
भेलथि असवार भुँइ भुँइ सिंग

कोन जुलुम जे अइ दुनियाँमे
चाहथि परचार भुँइ भुँइ सिंग

भने सुखाएल रहौ आँगन
अपने रसदार भुँइ भुँइ सिंग

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

बुधवार, 22 मई 2019

गजल

छै दालि भात तीमन खंडित
गरीबक भाग भोजन खंडित

एहन सुदीन कहिया हेतै
साँखर खंडित धामन खंडित

ई बात वएह बूझत जकर
एक नजरिमे जीवन खंडित

भवसागरमे रहने बसने
भवसागर के बंधन खंडित

अइ कारोबारी दुनियाँमे
सभहँक इच्छा सदिखन खंडित

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शनिवार, 18 मई 2019

गजल

दुभि धान जान हमर
फुल पान जान हमर

लय ताल भास सरस

सुर तान जान हमर

प्रत्यक्ष आस रहल

अनुमान जान हमर

छै सीता राम लखन

हनुमान जान हमर

कमजोर देह मुदा

बलवान जान हमर

सभ पाँतिमे 2212-112 मात्राक्रम अछि।चारिम शेरक पहिल पाँतिमे एकटा दीर्घकेँ लघु मानबा छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

बुधवार, 8 मई 2019

गजल

मोनक उप्पर बात बहुत
मोनक भित्तर घात बहुत

बिहाड़ि या कोनो कारण
गाछक निच्चा पात बहुत

छौंड़ी सन तरसाबैए
हमरा सभकेँ भात बहुत

सरकारक मेहरबानी
तँइ भेलै उत्पात बहुत

अनचिन्हारक कपारमे
नोरक छै खैरात बहुत

सभ पाँतिमे 222 2222 मात्राक्रम अछि। दूटा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों