मंगलवार, 20 अगस्त 2019

गजल

अगर मगरमे जीवन बीतल
गीजल कादो फेरो गीजल

पढ़ने रहियै जे अगर मगर
जीवन भरि से बहुते लीखल

जिम्मा हिस्सा  के झगड़ामे
ई अगर मगर हमहूँ सीखल

असगर सुन्न पड़ल आँगनमे
अपने रूसल अपने बौंसल

अलगे अनुभव हुनका छुबिते
पलमे ठंडा पलमे धीपल

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शुक्रवार, 2 अगस्त 2019

गजल

निशानापर बूढ़ संगे बच्चा छै
देशमे आब युवा केर सत्ता छै

दर्दक अनुभव होइतो नोर रोकब
ईहो एक तरहँक गर्भहत्या छै

सत्य हुनकर ठोरक चुप्पी जगतमे
बाद बाँकी बात मिथ्ये मिथ्या छै

केकरो हाथमे भरलाहा भारी
केकरो हाथमे खाली डिब्बा छै

लोहा के हो प्लास्टिक के या काठक
कोनो कुर्सी अपनामे सत्ता छै

सभ पाँतिमे 22 22 22 22 22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों