रुबाइ लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
रुबाइ लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शनिवार, 9 मई 2026

रुबाइ

पपनी मोरै नहि आँखि यादे अहाँक

जीवन बहुते अन्हार बादे अहाँक

दिन राति चलैत अछि हमर करेजामे

छवि एककेँ बाद एक मादे अहाँक 

              ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


बुधवार, 6 मई 2026

रुबाइ

तोहर प्रेममे पड़ि पीबैत छी हम तँ 

ई जुनि कनिको बुझै जीबैत छी हम तँ 

ताड़ीमे डूबि भोरेसँ साँझ धरि ‘मनु’

फाटल करेज अपन सीबैत छी हम तँ 

             ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

शुक्रवार, 10 अप्रैल 2026

रुबाइ

छुपि-छुपि  राति दिन हम बाट निहारै छी 

जल्दीसँ आबू बड़ आस  कराबै छी 

पूरा होयत कखन ‘मनु’ मनोकामना

हमरा किए नहि करेजसँ लगाबै छी

                    ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


मंगलवार, 13 मई 2025

रुबाइ

जीवन मृत्युकेँ छोर तोहर हाथमे

कठपुतली इ जग डोर तोहर हाथमे

हम सरनागत एलौं तोहर सरनमे

सगरो कष्टक तोड़ तोहर हाथमे

             ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’



रविवार, 11 मई 2025

रुबाइ


जिनका देलौं करेजा ओ वेपारी

मोनसँ खलेलनि जनि क हमर लाचारी

हम रहि सिधा साधा सज्जन बेचारी

ओ पहुँचल फेरल बड़ पैघ खेलाड़ी

                  ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’



शनिवार, 26 अप्रैल 2025

रुबाइ

हे कृष्ण फेर अवतार एकबेर लिअ 

पापी कुकरमी सभकेँ आबि घेर लिअ 

धरती इ अहाँक डूबि रहल अधर्ममे 

जतरा आबि एक बेर अपन फेर लिअ 

                ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


रविवार, 8 दिसंबर 2024

रुबाइ

हमहूँ खेत आइ बोटीकेँ रोपलौं

पोसै लेल पेट झूठक हर जोतलौं

कारी कोटसँ कोटमे निसाफ ककरा

टाका पाबि आँखि बान्हि दफा जोखलौं 

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

बुधवार, 4 दिसंबर 2024

रुबाइ

तोरा नहि हम छोड़लौं नहि हम बेवफा

तोरा बिन नहि मरलौं नहि हम बेवफा

तोहर प्राण गेल बुझि नहि जीवैत ‘मनु’

बिन काठीए जरलौं  नहि हम बेवफा

               ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


शुक्रवार, 5 जुलाई 2024

रुबाइ

पागल हम दुनियामे पियार तकै छी

भलमानुस सब सगर वेपार तकै छी

नै कोनो दाम मनुख आ मनुखताकेँ

स्वार्थी लोकसँ ‘मनु’ सरोकार तकै छी

                ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


मंगलवार, 2 अप्रैल 2024

रुबाइ

एतेक नेहमे लीबैत किएक छी

दुनिया पुछलनि हम जीवैत किएक छी 

सभ बुझला उत्तर ‘मनु’ अहूँ इ जुनि पूछू 

दिन राति एतेक पीबैत किएक छी 

                  ✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’

 


मंगलवार, 26 मार्च 2024

रुबाइ

घुमि कनखीसँ कनीक अहाँ ताकि देलहुँ

तन मन अपन एहिपर हम हारि देलहुँ

नहि आब बैकुंठकेँ रहि गेल इच्छा

सगरो अहाँकेँ लेल ‘मनु’ बारि देलहुँ

                   ✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’

 


बुधवार, 22 नवंबर 2023

रुबाइ

जे घाव अहाँ हमर करेजकेँ देलहुँ

सबटा ओ दर्द दुनियाँसँ नुका लेलहुँ  

मुस्कीसँ हमर नै बुझू जे हम खुश छी

खूनक घुट अहाँक खुशीमे पी गेलहुँ

              ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

 


 

मंगलवार, 21 नवंबर 2023

रुबाइ

हे कृष्ण गोविंद मुरारी मिता हमर 

सगरो दुनिया केर मालिक पिता हमर

गेलअ छोरि किएक तू ‘मनु’क करेजा

घुरि आबअ नहि तँ सजत आब चिता हमर

                    ✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’

 

गुरुवार, 16 नवंबर 2023

रुबाइ

सिस्टम आइकेँ किए बबाल बनल अछि 

नेता सभ तँ  एकटा जपाल बनल अछि 

बड़ बड़ बागर बिल्ला राज चलबैए

जनताक प्राणेपर सबाल बनल अछि

                  ✍🏻जगदानन्द झा ‘मनु’


 

मंगलवार, 14 नवंबर 2023

रुबाइ

मीरा केर हरने अहाँ कते दुख छी

खा साग विदुर केर भेल बड्ड सुख छी

हे माधव ‘मनु’ केर अपन भक्ति दय दिअ

दुनियामे सबसँ सुन्नर अहाँक मुख छी 

                  ✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों