शनिवार, 28 नवंबर 2020

गजल

आँगन रहने बुझियै बेसी
औफिस गेने उतरल ठेही

सुन्ना पाछू सुन्ने सुन्ना
सुन्ना आगू सुन्ने देखी

जीवन भूजल इच्छा रान्हल
दरदो पीसल बहुते मेंही

रुतबा बढ़ने दुनियाँ छेना
रुतबा घटने दुनियाँ छेनी

सिस्टम बूझै हमहीं फादर
सत्ता बूझै बेटा बेटी

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

 

बुधवार, 25 नवंबर 2020

गजल

अहूँ देखियौ आइ औकात हुनकर
रहै भूख हमरे मुदा भात हुनकर

कहीं ने कहीं छै बहुत गैप अर्थक
उधेसल पुधेसल कते बात हुनकर

जमीने कहै छै कहानी मनुक्खक
सहीमे अलग छै अबरजात हुनकर

धरापर गगनमे जगह छेकि बैसल
छलनि बीच जिनकर छलनि कात हुनकर

अहो भाग्य जे पंच देखल अहीं सन
छलै गाछ हिनकर रहै पात हुनकर


सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि आ ई बहरे मुतकारिब मुस्समन सालिम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

गुरुवार, 19 नवंबर 2020

गजल

ई बात बुझले रहै ई बात जनले रहै 
जे दुश्मनक भीड़मे किछु लोक अपने रहै

आएल जहिया जखन आँगन अचानक कियो
किछु नोर पोछल रहै किछु नोर बचले रहै

मजबूर जीहो रहल मजबूर ठोरो रहल
किछु बात संगे रहै किछु बात अलगे रहै

ईहो तमाशा बहुत भेलै हमर देशमे
किछु लोक जागल रहै किछु लोक सुतले रहै

खरिहानमे खेतमे आँगन दलानो बुझू
किछु जीह कटले रहै किछु मूँह दबले रहै

सभ पाँतिमे 2212-212-2212-212 मात्राक्रम अछि। 

मंगलवार, 17 नवंबर 2020

गजल

तेहन इशारा भऽ गेलै सभटा खुलासा भऽ गेलै इच्छे हमर मारि देलक केहन जमाना भऽ गेलै मिश्री जकाँ आँखि लागल सपना बताशा भऽ गेलै पाखंड छै चान सूरज जुल्मो सितारा भऽ गेलै हुनकर कृपा पाबि बहुते किशमिश छुहारा भऽ गेलै सभ पाँतिमे 2212-2122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शुक्रवार, 13 नवंबर 2020

गजल

किछु किछु इच्छा सैंतल छै
किछु किछु इच्छा बहसल छै

अइ देहक देखू फाइल
हड्डी हड्डी गानल छै

हेबे करतै किछु ने किछु
अपना भरि से लागल छै

की कहतै कोना कहतै
अपने हाथक दागल छै

जनता थिक सस्ता फस्ता
इम्हर उम्हर फेकल छै

अनचिन्हारक चर्चे की
ओ गदहा बड़ पागल छै

सभ पाँतिमे 22-22-22-2 मात्राक्रम छै। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

गुरुवार, 12 नवंबर 2020

गजल

घासक संगे जाबी हमहीं
सम्बन्धक बेपारी हमहीं

इम्हर उम्हर जिम्हर तिम्हर
हमहीं हमहीं खाली हमहीं

जहिया ताकब हमहीं भेटब
मुस्की आ किलकारी हमहीं

माली सेहो बुझिए गेलै
अइ फूलक फुलडाली हमहीं

छथि ईश्वर मालिक मलकाइन
छी एहन दरबारी हमहीं
सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों