सोमवार, 26 नवंबर 2018

गजल

कहल करियौ किछु बात
सुनल करियौ किछु बात

गरीबक चूसत खून
बुझल करियौ किछु बात

करेजक खाली कोन
लिखल करियौ किछु बात

जरूरी छै किछु भाव
छुबल करियौ किछु बात

सही रहितो चुप चाप
सहल करियौ किछु बात

सभ पाँतिमे 122-2221 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

शुक्रवार, 9 नवंबर 2018

गजल

मोनक रूप पासी छै
देहक रूप पासी छै

किछु यजु ॠग अथर्वो आ
सामक रूप पासी छै

जगतक सार लबनी थिक
ज्ञानक रूप पासी छै

कखनो मोक्ष आ कखनो
मोहक रूप पासी छै

शहरक नामपर बाँचल
गामक रूप पासी छै

सभ पाँतिमे 2221-222 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों