सोमवार, 29 अक्तूबर 2018

गजल

खूब गरजैए सच केर दलाल
खूब ठहकैए सच केर दलाल

छै चानन अनकर आनन हुनकर
खूब चमकैए सच केर दलाल

केखनो एहन केखनो ओहन
खूब बदलैए सच केर दलाल

किछु भेटत तकरे प्रत्याशामे
खूब लिबलैए सच केर दलाल

अपने सच्चा अनका झुट्ठा कहि
खूब बिकलैए सच केर दलाल

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।




सोमवार, 22 अक्तूबर 2018

गजल

केहन काहन ढ़ुलढ़ुलिया बच्चा
फेकल फाकल फुलफुलिया बच्चा

ढ़ुनमुन ढ़ुनमुन गुलगुलिया बच्चा
हुलबुल हुलबुल हुलबुलिया बच्चा

छन छन कूदै थुलथुलिया बच्चा
सदिखन बूलै बुलबुलिया बच्चा

छै इम्हर उम्हर किम्हर किम्हर
चुलबुल चुलबुल चुलबुलिया बच्चा

की नवका आ की पुरना पुरना
चीन्है सभकेँ भुलभुलिया बच्चा

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

गजल

हे जया जगदम्बा जगतारिणी कि जय हो
भगवती कल्याणी भयनाशिनी कि जय हो

कष्ट मोचक कामाक्षी जग सुखस्वरुपा
दुर्गपारा देवी दुखहारिनी कि जय हो

सिंहपर अासित मैया मातृका भवानी
कामिनी व्रह्मा वरदायिनी कि जय हो

इन्द्र दुखमे पुजलक परमेश्वरी अहींके
देव रक्षक अजिता कात्यायिनी कि जय हो

नाम जपलापर भक्तक मृत्यु जाइ छै टरि
शैलपुत्री कालक संहारिनी कि जय हो

रहि हृदयमे कुन्दनपर नित करब करुणा
प्रार्थना अछि र्इ पशुपति भामिनी कि जय हो

212-222-2212-122

© कुन्दन कुमार कर्ण

www.kundanghazal.com

सोमवार, 8 अक्तूबर 2018

गजल

चोरक दाता मोदी जी
डाकू भ्राता मोदी जी

बैंक लोनमे घपला छै
बूड़ल खाता मोदी जी

अंबानी सभ राजा छै
रानी माता मोदी जी

धधरा बरसै जनतापर
फाटल छाता मोदी जी

भगता नाचै डिग डिग डिग
ताता ताता मोदी जी

गुरुवार, 4 अक्तूबर 2018

गजल

केखनो हों केखनो हाँ केखनो हर्र केखनो हुर्र
केखनो कों केखनो काँ केखनो कर्र केखनो कुर्र

केखनो भों केखनो भाँ केखनो भर्र केखनो भुर्र
केखनो पों केखनो पाँ केखनो पर्र केखनो पुर्र

केखनो छों केखनो छाँ केखनो छर्र केखनो छुर्र
केखनो चों केखनो चाँ केखनो चर्र केखनो चुर्र

केखनो सों केखनो साँ केखनो सर्र केखनो सुर्र
केखनो गों केखनो गाँ केखनो गर्र केखनो गुर्र

केखनो ओं केखनो आँ केखनो अर्र केखनो उर्र
केखनो फों केखनो फाँ केखनो फर्र केखनो फुर्र

सभ पाँतिमे 222-222-222-222-222 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों