बुधवार, 25 जुलाई 2018

गजल

बड़का खाली बातक छथि
गहुमन सन के घातक छथि

सरकार किनको मुदा ओ
स्थायी रूपें चातक छथि

दंगा फसाद हुनके छनि
मारकेश के जातक छथि

कुर्सी पुरस्कार लेल मारि
कोसी कमला कातक छथि

हमरा संगे ओहो बाबू
ओही समुदाय जमातक छथि

तप्तत भेनाइ बड़ कठिन छै
बासि तेबासि औकातक छथि


सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

मंगलवार, 24 जुलाई 2018

गजल

देश भरि कहादन रेल चलतै आब
फेर किछु विकासक खेल चलतै आब

थालमे धमाधम पीच करतै बाट
टोल-टोल हेलम हेल चलतै आब

कामकाज हेतै सारहे बाईस
योजनाक खातिर झेल चलतै आब

बुद्धिमान सब बेहोश जेना भेल
राजकाजमे बकलेल चलतै आब

नागरिकसँ उप्पर छै बनल सरकार
लोकतन्त्र ककरा लेल चलतै आब

राजनीतिमे कुन्दन बढल अपराध
जन जनारदनके जेल चलतै आब

212-122-212-221

© कुन्दन कुमार कर्ण

www.kundanghazal.com

गुरुवार, 12 जुलाई 2018

गजल

किछु ने बाजल जानि कऽ
अपने थाकल कानि कऽ

ई हँसी दिन दू दिनक
खुश छै नोरे गानि कऽ

किछु हेतै से कहि
सुतलै चद्दरि तानि कऽ

नुकेलासँ बुझाइए
लागल छै समधानि कऽ

धर्मात्मा बनि गेलहुँ
धर्मक रेखा फानि कऽ

सभ पाँतिमे 222-222 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


गुरुवार, 5 जुलाई 2018

गजल

जत्ते बड़का स्वामी छै
सभहँक नाम हरामी छै

हमहूँ ओझा गुन्नी छी
ओहो अंतरयामी छै

ई नेह सिनेहक रहने
बड़ बेसी बदनामी छै

ओ अपने मोने सस्ता
अपने मोने दामी छै

दू दिनक नामी कलामी
तकर बाद गुमनामी छै

सभ पाँतिमे  22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों