सोमवार, 23 फ़रवरी 2015

सम्मान

मैथिली सिने संसार पत्रिकाक तेसर वार्षिकोत्सव आ अन्तराष्ट्रिय मातृ भाषा दिवसक अवसर पर मधेस मिडिया हाउस, काठमाण्डूमे आयोजित समारोहमे मैथिली गजलमे हमर योगदानक कदरस्वरूप नेपाली फिल्मक बरिष्ट कलाकार नीर शाह द्वारा मैथिली सिने संसार दिससँ प्रदान कयल गेल सम्मान ग्रहण करैत






शनिवार, 21 फ़रवरी 2015

गजल

चाहलौँ जकरा हम जान परानसँ
छोड़ि हमरा से चलि गेल गुमानसँ

जे कहै जिनगी भरि संग रहब हम
से करेजा देलक चीर असानसँ

एखनो टटका अछि दर्द हियामे
व्यक्त कोना शब्दक करब बखानसँ

हम त पुजलौँ प्रेमक बनि कऽ पुजगरी
सत धरम पूरा निस्वार्थ इमानसँ

जीविते बनि गेलौँ लास जकाँ हम
हम त गेलौँ कुन्दन आब जहानसँ

मात्राक्रम : 2122-2221-122

© कुन्दन कुमार कर्ण

शुक्रवार, 20 फ़रवरी 2015

अन्तरवार्ता

प्रस्तुत अछि लोकप्रिय पत्रिका  मैथिली सिने संसारक अगहन–पुष अंकमे प्रकाशित हमर पूरा अन्तरवार्ता


सप्तरी जिल्लाक एक साधारण परिवारमे जन्मल गजलकार कून्दन कुमार कर्ण कम समयमे बेसी चर्चित भेनिहार युवा गजलकार छी । कनिये टासँ मैथिली साहित्यमे कमल चला रहल कुन्दन अत्यन्त प्रतिभाशाली व्यक्ति छथि । श्री जनता माध्यमिक विद्यालय, खुरहुरीयासँ विद्यालय शिक्षा आर्जन कऽ श्री महेन्दविन्देश्वरी बहुमुखी क्याम्पस, राजविराजसँ ब्यवस्थापनमे स्नातक केनिहार ई नेपाल सरकारक निजामती सेवामे सेहो कार्यरत छथि ।

विद्यालय जीवन कालसँ गजल रचना सुरु कऽ एखन धरि दर्जनौ गजल रचना कऽ चूकल अछि । हुनकर गजल आ शाइरीसँ मिथिलाक हजारौ युवा प्रभावित छथि । पछिला किछु बरिससँ सामाजिक सञ्जालमे बेसी सकृयताक संग अपन रचना सभ सार्वजनिक करैत आबि रहल हुनकर नेपाल आ भारत दुन्नू देशेमे प्रशंसक सभ छथि । मुदा हनुका एतऽ धरि आबैमे की ? केहन ? कतेक ? संघर्ष करऽ पडलै एहि सम्बन्धमे सुनी “मैथिली सिने संसार”क प्रतिनिधि कमल मण्डल संग भेल हुनकर गप्प सप्प ।

▶ अहाँ गजल रचनाक क्षेत्रमे कोना प्रवेश केलहुँ ?
– कनिये टासँ साहित्य, गीत आ संगीतमे हमर रुची रहि आयल अछि । स्कूल पढैत काल हम अतिरिक्त कृयाकलामे बेसी सहभागी हएत रहिये । विद्यालय जीवनसँ हमर रचना सभ विभिन्न रुपे पत्र–पत्रिकामे प्रकाशित हएत रहै । दर्जनौ पत्र–पत्रिकामे हमर रचना सभ प्रकाशित भऽ चूकल अछि । गजल आ शेर–ओ–शाइरी हम कनिये टासँ पसन्द करै छी । स्कूल आ कलेजक समयमे मैथिलीमे गजल रचना कऽ हम संगी सभकेँ सुनाबैत रही । सभ हमर प्रशंसा करेैत रहै । हमरा प्रोत्साहन करैत रहै । मुदा जहियासँ हम फेसबुक आ ट्वीटर लगायत सामाजिक सञ्जाल मार्फत अपन रचना सार्वजनिक केनाइ सुरु केलहुँ तहियासँ हमर साहित्यिक बाटमे नवका मोड आबि गेल । हम अपन रचना सभ बेसीसँ बेसी लोक धरि पहुँचाबमे सफल भेलहुँ । ढेर रास साहित्यकार सभसँ जुटबाक अवसर सेहो प्राप्त केलहुँ । एहि क्रममे फेसबुक पर हमर भेंट प्रसिद्ध मैथिली गजलकार आशीष अनचिन्हार जीसँ भेलै । ओ हमरा हुनकेँ द्वारा सञ्चालित हुनक ब्लग http://anchinharakharkolkata.blogspot.com सँ जोडलनि । जे कि पूर्ण रुपेन मैथिली गजलसँ सम्बन्धित लेख, आलेखसँ भरल छै । तकर बाद हम गजलक विषयममे गहन अध्ययन केनाइ सुरु कऽ देलहुँ आ पहिल बेर निअमपूर्वक अरबी बहरमे गजल रचना करबामे सफल भेलहुँ । फलस्वरुप आशीष जी द्वारा जानकारी भेटल जे हम मैथिलीमे अरबी बहरमे गजल कहनिहार नेपालक पहिल गजलकार छी । जैसँ हमरा एहि क्षेत्रमे समर्पित भऽ लगबाक लेल आर प्रेरणा प्राप्त भेल ।

▶ “अरबी बहर” की छी ?
– गजल मुख्तः अरबी शब्द छी आ एकर जननी सेहो अरबी साहित्य छी । जेना संस्कृत काव्ज्य परम्परामे “छन्द” हए छै तहिना उर्दू आ फारसी गजल परम्परामे “बहर” हए छै । जेना छन्द कविताक लय निर्धारण करै छै तहिना बहर गजलक लय निर्धारण करै छै । सामान्य भाषामे हम सभ बहरकेँ छन्द बुझि सकै छी मुदा बहर निर्माणक अपने पृथक निअम सभ छै । गजल प्राय कोनो नै कोनो बहरमे कहल जाइ छै । बिना बहरकेँ गजल भै भऽ सकैछ । गजल गीत आ कवितासँ एक अलगे विधा रहलाक कारण अरबी बहरमे गजल रचना करऽ चाहै वला सभकेँ समय खरचा कऽ अध्ययन केनाइ जरुरी छै ।

▶ गजल रचनाक क्षेत्रमा प्रवेश करऽ लेल प्रेरणा किनकासँ प्राप्त भेल ?
– हम महाकवि विद्यापति रचित गीत सभ सुनबालेल बहुत पसन्द करै छी । हुनकासँ प्रभावित सेहो छी । मुदा खास कऽ गजल क्षेत्रमे लगबाक कारण केओ एक व्यक्ति प्रेरक नै छथि । हमर अन्तर आत्मासँ जागल रुची आ मैथिली भाषा एवं संस्कृति प्रतिक प्रेम नै एहि क्षेत्रमे लगबाक प्रमुख कारण छी । एखन हम बहुत लोकसँ ढेर रास सहयोग, शुभकामना आ सिनेह पाबि रहल छी जैसँ हमर मनोबल वृद्धि भऽ रहल छै ।

▶ की अहाँ मैथिलीकेँ अलाबा आन भाषा दिस सेहो कलम चला रहल छी ?
– हम अंग्रेजी, हिन्दी आ नेपालीमे सेहो गजल सभ रचना केने छी ।

▶ वर्तमान समयमे विभिन्न विधाक मैथिली पोथी सभ निरन्तर प्रकाशित भऽ रहल छै मुदा एकर उचित बजारीकरण भेल अवस्था नै छै । अर्थात् मैथिली साहित्य व्यावसायीकरण नै भऽ पाबि रहल छै । की एहन अवस्थामे आब आबै पीढी मैथिली साहित्मे अपन योगदान दऽ सकत ?
– धन्यवाद । बहुत नीक सन्दर्भ उठेलहुँ अहाँ । सभसँ पहिने त छिरीयाल मैथिली गजलकार, साहित्यकार आ कलाकार सभकेँ एक ठाम संगठित भेनाइ जरुरी छै । मिथिलामे एखनो बहुत रास लोक सभ नीक जकाँ मैथिली पढ आ लीख लेल नै जानै छै । एकर मुख्य कारण छी विद्यालय शिक्षा मैथिलीमे प्राप्त नै भेनाइ । मैथिली भाषा आ साहित्यमे गति प्रदान करबा लेल मिथिलामे अनिवार्य रुपमे विद्यालय शिक्षा मैथिलीमे प्रदान केनाइ जरुरी छै । नेपालमे एखन संविधान बनबाकेँ क्रममे अछि । तेँ आब बनै वला संविधानमे विद्यालय शिक्षा मातृभाषामे करबाक प्रावधान लेल हम सभकेँ अपन–अपन क्षेत्रसँ अवाज उठाब पडतै । खुशीक बात त ई छी जे वर्तमान समयमे मिथिलाक बहुत रास युवा युवती सभ मैथिली साहित्य, गीत, संगीत आ कलाक क्षेत्रमे सकृय रुपसँ लागि रहल अछि ।

▶ हम अहाँ द्वारा हमल गजल सभ सुनलहुँ । किछु प्रमे आ वियोगक गजल सभ बहुत मार्मिक अछि । की एहन गजल सभमे रहल ब्यथा सभ अहाँकेँ वास्तविक जिनगीसँ सम्बन्धित त नै अछि ।
– हम हजल, वाल गजल आ भक्ति गजल सेहो रचना केने छी । तहिना राजनीति, दर्शन तथा विभिन्न सामाजिक जीवनसँ जूडल विषय पर सेहो रचना केने छी । समय सन्दर्भ देखिक श्रोता सभकेँ केहन रचना पसन्द आबि सकै छै तै हिसाबे रचऽके प्रयास करै छी । जैमे हमर कल्पना शक्तिक महत्वपस्र्ण भूमिका खेलै छै । अतः हमर कहल गजल सभकेँ हमर वास्तविक जिनगीसँ कोनो सम्बन्ध नै छै ।

▶ एखन बजारमे पाप, ¥याप आ आइटम गीत सभ धूम मचा रहल छै । लोक सभ एकरे पसन्द सेहो कऽ रहल छै । एहन अवस्थामामे गजलक औचित्य की ?
– संसार कतबो बदलतै मुदा सूर्य, पृथ्वी आ चान कहियो नै बदलि सकै छै । तै सूर्यक ठाम पृथ्वी लऽ सकै छै नै त पृथ्वीक ठाम चान । बजारमे बहुत चीज सभ आबै छै आ जाइ छै मुदा किछु चीज लोकक हिया आ दिमागमे सदति लेल बसि जाइ छैक । गजल लोकक भावना आ आत्मासँ जूटल रहै छै । संसार रहला धरि एकर औचित्य कहियो समाप्त नै भऽ सकै छै । हमर कहल गजल सभ एखनो हजारौ लोक सभ पसन्त कऽ रहल छै ।

▶ भविष्यक योजना की अछि ?
– गजल रचनाक निरन्तरता दैत विभिन्न विषयवस्तु पर रचना कऽ मैथिली पाठक सभको मनोरञ्जन प्रदान केनाइ आ जिनगी भरि मैथिली आ मिथिलाक सेवा केनाइ ।

▶ वर्तमान युवा पीढी अर्थात नव प्रतिभाक की कहऽ चाहबै ?
– कहल जाइ छै लोक जतऽ जन्मे छै तै ठामक माटिक ऋण ओकरा पर रहै छै । तै अपन भाषा, संस्कृति, कला आ साहित्सँ प्रेम करु । प्रबर्धन करु । युवा अवस्था एहन अवस्था छी जे लोकक भविष्य निर्धारणक आधार तय करै छै । एहि अवस्थाक सदूपयोग करु । मिथिलाक युवा युवती सभ मेहनी हए छै । प्रतिभा सम्पन्न हए छै । ई बात सारा संसार जानै छै । तेँ मैथिली आ मिथिलाक लेल महान् कार्य करि अपन प्रतिभाक देखाउ ।

▶ अहाँ एक युवा गजलकार छी । एहि उमेरमे बहुत प्रशंसक कमा चूकल छी । मुदा एखन धरि सिङ्गल छी । अहाँकेँ डबल भेल कहिया देख सकै छी ?
– हा हा हा हा ....... ई प्रशन त हमरा संसारक सभसँ खतरनाक प्रशन बुझाइत अछि । एखन सोचने नै छी । सही समय एलापर डबल हेबै ।

▶ तपाई अपन प्रशंक सभकेँ “मैथिली सिने संसार” मार्फत की कहऽ चाहबै ?
– सर्वप्रथम त हुनका सभकेँ हम हार्दिक धन्यवाद देब चाहब । हुनका सभक सिनेहक कारणे हम गजल रचनाक क्षेत्रमे निरन्तर आगू बढि रहल छी । खास कऽ मैथिल युवा युवती सभकेँ “मैथिली सिने संसारक” माध्यमसँ कहब चाहब जे एखन बहुत संख्यामे अहाँ सभ मैथिली गजल गजल, शेर–ओ–शायरी आ साहित्यिक क्षेत्रमे कलम चला रहल छी । ई खुशीक बात छी । मुदा अहाँ सभ कोनो क्षेत्रमे लागैसँ पहिने तैसँ सम्बन्धित विस्तृत ज्ञान हाँसिल केलाक बाद लागी । एहिसँ अहाँके यात्रा सहज भेलाक संगे अपन लक्ष्य धरि असानसँ पहुँच सकै छी । जेना साहित्य लोककेँ सभ्य बनाबै छै तहिना गजल लोककेँ गुनवाण बनाबै छै । जँ अहाँ सभमेसँ केओ मैथिली गजल क्षेत्रमे सकृयताक संग आबऽ चाहै छी त हम अपन दिससँ जे कऽ सकब से सहयोग करऽ लेल सदिखन तयार छी ।

▶ अपन प्रशंकहरु सभक लेल कोनो सम्पर्क नं. या
– अवश्य । वहाँहरुले मलाई मेरो यो ई–मेल आईडी मार्फत सम्पर्क गर्न सक्नुहुन्छ E-mail : kundankumarkarna145@gmail.com

धन्यवाद !

गुरुवार, 19 फ़रवरी 2015

गजल



तोरा लग तोरा सन
मोरा लग मोरा सन

मोन कुमोनसँ घुमलहुँ
हम फाटल झोरा सन

हुनकर मुस्की लागै
बस अनमन कोरा सन

ओकर नोर बुझाएल
अगबे अंगोरा सन

ओ गुड्डी सन बनतै
आ हमहूँ डोरा सन


सभ पाँतिमे 222+222 मात्राक्रम अछि।
दू टा अलग-अलग लघुकेँ एकटा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
चारिम सेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर अछि।
मतला मैथिलीक पारंपरिक कहबी अछि।

शुक्रवार, 13 फ़रवरी 2015

गजल


हारल थाकल ओकरे सपना
जागल सूतल ओकरे सपना

जिम्हर देखी तिम्हरे देखी
छीटल छाटल ओकरे सपना

खटगर मिठगर लागि रहलै खूब
काँचो पाकल ओकरे सपना

जुट्टी खोपा सन बनल आँखि
बान्हल गूहल ओकरे सपना

सिंदुर टिकुली मेंहदी अलता
काजर लागल ओकरे सपना

सभ पाँतिमे 22222+1222 मात्राक्रम अछि।
तेसर शेरक अंतिम लघु अतिरिक्त जकाँ छूट लेल गेल अछि।
चारिम शेरक अंतिल लघुकेँ संस्कृत परंपरानुसार दीर्घ मानल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

रविवार, 8 फ़रवरी 2015

बाल गजल

बाल गजल


छै ईसू बीसू जीसू मीसू
हम्मर बौआकेँ बड़का बूझू

जीबू जाबू आ ढनढन पादू
खिलखिल झिलमिल चुनमुन सन लागू

बौआकेँ नानी सुंदर सुंदर
हुनकर गालेपर हरदी पीसू

उपटन पिसतै बौआकेँ मौसी
हुनकर नाम कनी जल्दी बाजू

बाबाकेँ धोती कुरता गमछा
नानाकेँ ढेका जल्दी घीचू

सभ पाँतिमे 222+222+222 मात्राक्रम अछि।
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
संबंध बदलिते संबंधवाची शब्दकेँ बदलल जा सकैए। उदाहरण लेल तेसर शेरमे नानी बदला दादी, बाबी, पीसी, मौसी काकी सेहो आबि सकैए। तेनाहिते चारिम आ पाँचम शेरमे सेहो बदलल जा सकैए।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

गजल

चाही आश नै कनिको चमत्कारकेँ
मेहनतसँ बसायब अपन संसारकेँ

आजुक नवयुवक हम डरब धमकीसँ नै
छोरब नै अपन कनिको तँ अधिकारकेँ

बुझि अप्पन कियो छनमे करेजा ल' लिअ
टेढ़ीमे जँ छी नै सहब सरकारकेँ

धरतीपर जते बासन पकल काँच छै
एक्के हाथ सगरो गढ़ल कुम्हारकेँ

सहलों चोट सय भरि जन्म सोनारकेँ
'मनु'  के सहत एक्को चोट लोहारकेँ

(बहरे कबीर, मात्रा क्रम; २२२१-२२२१-२२१२)
जगदानन्द झा 'मनु'

शुक्रवार, 6 फ़रवरी 2015

गजल:


गजल:
गप्प पिबै छी मुखपोथी पर​
गप्प छटै छी मुखपोथी पर​

संग रहै से बिछुरल मीता ​
मीत तकै छी मुखपोथी पर​

गाम​-घरक हम बिसरल​ बोली
बोल सिखै छी मुखपोथी पर​

डाक घरक हम बाटो बिसरल​
पत्र लिखै छी मुखपोथी पर

पंच रहल नञ पनचाइत घर​
पंच बनै छी मौखपोथी पर​

भेंट हमर नञ किनको संगे
कुशल पुछै छी मुखपोथी पर​

कहब गजल से मंचो उजरल​
गजल कहै छी मुखपोथी पर​
सभ पाँतिमे मात्राक्रम –21-122-2222        

© राम कुमार मिश्र

बुधवार, 4 फ़रवरी 2015

गजल

देश दशा नीके हेतै
देह दशा ठीके हेतै

जनताके खूनक कीमत
बस पानक पीके हेतै

जी कहने हाँ जी कहने
लोको सभ जीके हेतै

ऐठाँ मरबा काल सखी
टोपी ने टीके हेतै

अनचिन्हारक डेग कनी
बढ़ि गेने लीके हेतै

सभ पाँतिमे 22+22+22+2 मात्राक्रम अछि।
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों