सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
9
लाठी लेने घूमै बौआ
सदिखन हल्ला मचबै बौआ
बाबा बूलथि नहुँए नहुँए
आगू आगू भागै बौआ
राखल छै चिन्नी कोनामे
सभटा लिल्ला जानै बौआ
रूसै फूलै कानै बाजै
झटपट तैयो मानै बौआ
ने पढ़तै ने लिखतै खाली
भरि भरि थारी खेतै बौआ
सभ पाँतिमे 222+222+22 मात्राक्रम अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
10
आमुन बेटी जामुन बेटी
लिच्ची सनकेँ दारुन बेटी
सरदी गरमी पुरबा पछबा
सावन भादव फागुन बेटी
धो पोछि क' सगरो चमकाबै
आँगन बासन साबुन बेटी
अनका घरकेँ पोसै पालै
हमरा घरकेँ पाहुन बेटी
सभहँक उप्पर जूति चलेतै
कानन बाजन कानुन बेटी
सभ पाँतिमे 222+222+22 मात्राक्रम अछि।
तेसर आ अंतिम शेरक पहिल पाँतिमे दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। तेनाहिते मूल शब्द "कानून" छै मुदा काफिया ओ लयकेँ रक्षा करैत "कानुन" कहल गेल अछि।
दारुण लेल दारुन कहल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
11
जाइंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
नाचिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
खोलिंग द बरतन लेइंग द चिन्नी
खाइंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
मारिंग द लाठी फोरिंग द माथा
भागिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
हगनी मुतनी आ छेछरिया कटनी
पादिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
बात घरैया सभ हो की उम्हरकेँ
बाजिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
सभ पाँतिमे 22222+22222 मात्राक्रम अछि
अधिकांश पाँतिमे दूटा अलग-अलग लघुकेँ एकटा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
12
इस्कूल बंद हतै बाह रे बाह
मास्टर उदास भेलै बाह रे बाह
माए हमर पसारै खूब मुस्की
बस्ता हमर छिनेतै बाह रे बाह
किरकेट खेलबै हम खेतमे आब
डबरामे गेंद जेतै बाह रे बाह
फूटल मुदा ई निगर बोइयामेसँ
खटगर अचार खेबै बाह रे बाह
बाबा डरा कऽ हमरा नै घुमेता तँ
हमहीं घुमा कऽ एबै बाह रे बाह
सभ पाँतिमे 2212+ 1222+1221 मात्राक्रम अछि।
दोसर, तेसर आ चारिम शेरमे दीर्घकेँ लघु मानबाक छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
13
दिवाली एलै धम धम धम
फटक्का फूटै बम बम बम
जरै डिबिया सभहँक आँगन
करै दरबज्जा चम चम चम
खतम भेलै फुलझरियो से
बहन्ना करही कम कम कम
किनेबै चकरी जेबी भरि
जरेबै खाली हम हम हम
सभ पाँतिे 1222-2222 मात्राक्रम अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
14
गेलै उक्पाती बुढ़िया बाड़ीमे
लगले रहलै तेल हुनक लाठीमे
हमरा लोकनि फैलसँ कड़ुगर झँसगर
बड़ सनगर भक्का खेलहुँ गाछीमे
चोरक हल्ला सुनलहुँ सभहँक मूँहे
ताला आनि लगा देलहुँ काँपीमे
बथुआ खुब्बे नीक लगैए तैयो
धेआन हमर बसिया खेसारीमे
हमरा हेलब चुभकब नीक लगैए
पोखरिमे नालामे की नालीमे
सभ पाँतिमे 222+222+222+2 मात्राक्रम अछि
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
15
छोट्टे सनकेँ हम्मर बौआ
नमहर नमहर ता ता थैया
उज्जर बगुला हरियर सुग्गा
ललका मैना कारी कौआ
थारी बाटी भरले सनकेँ
खत्मे छै तिलकोरक तरुआ
दूधक पौडर तोरे लेल
चिन्नी खेतै पौआ पौआ
हम्मर बौआ बेली सनकेँ
सुंदर सुंदर गेंदा गेंदा
सभ पाँतिमे आठ टा दीर्घ मात्राक्रम अछि
चारिम शेरक पाहिल पाँतिक अंतिम लघुकेँ संस्कृत काव्यशास्त्रानुसार दीर्घ मानल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि
16
खेने रहियै आमक कुच्चा
चिनियो लागै खट्टे खट्टा
हमरा नामे कोड़ो बाती
हमरे नामे खुट्टा खुट्टा
हमरा सन के छै उकपाती
सभके मारी घुस्से घुस्सा
छै झिल्ली कचरी आलूचप
मुरही फाँकी फक्के फक्का
नै नीक लगैए मस्टरबा
नीक लगैए अट्टा पट्टा
सभ पाँतिमे 22+22+22+22 मात्राक्रम अछि।
अंतिम शेरक दूनू पाँतिमे अलग-अलग लगूकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
17
मोजा दे जुत्ता दे सीड़क दे सुइटर दे
बड़ ठंडा लागै बस चद्दरि दे मफलर दे
सुनि ले हमहूँ करबै खूब तमाशा सौंसे
तंतर दे अंतर दे जंतर दे मंतर दे
बड़ भूकै छै करिया कुक्कुर जोरे जोर
टुटतै एक्कर हड्डी बस लाठी नमहर दे
कफ जमि गेलै छातीमे खोंखीपर खोंखी
तँइ तरकारी बेसी कड़ुगर दे झँसगर दे
चिन्नी दे गूड़ो दे कुच्चा संगे दूधो
खट्टा खेबौ कम हमरा बेसी मिठगर दे
सभ पाँतिमे बारहटा दीर्घ अछि।
दू टा अलग-अलग लघुकँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
तेसर शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघुकेँ संस्कृतक हिसाबें दीर्घ मानल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
18
चिन्नी खेलहुँ चोरा चोरा
आरो धेलहुँ चोरा चोरा
भैया छै बड़का तँइ हमहूँ
बड़का भेलहुँ चोरा चोरा
हमरो जे कनियाँ रहितै से
खुब्बे गेलहुँ चोरा चोरा
गेल छलहुँ गाछी पिकनिक लेल
आँगन एलहुँ चोरा चोरा
जे भेटल जत्ते भेटल से
सभटा लेलहुँ चोरा चोरा
सभ पाँतिमे 22+22+22+22 मात्राक्रम अछि
चारिम शेरक पहिल पाँतिमे अलग-अलग लघुकेँ मिला कऽ दीर्घ मानल गेल अछि। एही पाँतिक अंतिम लघु अतिरिक्त अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
19
छै ईसू बीसू जीसू मीसू
हम्मर बौआकेँ बड़का बूझू
जीबू जाबू आ ढनढन पादू
खिलखिल झिलमिल चुनमुन सन लागू
बौआकेँ नानी सुंदर सुंदर
हुनकर गालेपर हरदी पीसू
उपटन पिसतै बौआकेँ मौसी
हुनकर नाम कनी जल्दी बाजू
बाबाकेँ धोती कुरता गमछा
नानाकेँ ढेका जल्दी घीचू
सभ पाँतिमे 222+222+222 मात्राक्रम अछि।
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
संबंध बदलिते संबंधवाची शब्दकेँ बदलल जा सकैए। उदाहरण लेल तेसर शेरमे नानी बदला दादी, बाबी, पीसी, मौसी काकी सेहो आबि सकैए। तेनाहिते चारिम आ पाँचम शेरमे सेहो बदलल जा सकैए।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।