मंगलवार, 29 मार्च 2022

गजल

अजगुत जोड़ी हथियार सत्ता
तइपर फेरो सरकार सत्ता

सत्ते भीतर बुधियार सत्ता
अँगने आँगन बटमार सत्ता

देखाबै छै सुंदर हँसी आ
नुकाबै छै नोरक धार सत्ता

नतमस्तक भेलै पाइ आगू
दुखिया लग छै फुफकार सत्ता

कहुना जीबै ई देश दुनियाँ
अतबे केलक उपकार सत्ता

सभ पाँतिमे 22-22-2-2122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

बुधवार, 23 मार्च 2022

गजल

घरहिमे उगल छै तरेगन
हृदयमे बसल छै तरेगन

विकासक कऽ अनघोल सौंसे
तुरंते घुरल छै तरेगन

अबारा हवा मेघ मौसम
अबारा बनल छै तरेगन

जहाँ धरि रहै चान सूरज
तहाँ धरि मरल छै तरेगन

हमर के हुनक के किनक के
अहीमे फँसल छै तरेगन

सभ पाँतिमे 122-122-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

रविवार, 6 मार्च 2022

गजल

विमर्शे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै
कि तर्के जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

सजा देब हम शब्दकेँ आवरणमे
ई अर्थे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

गमा देल जीवन अही मर्म खातिर
से मर्मे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

कुकर्मक हिसाबे किए लेब बहिना
सुकर्मे जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

किए श्राद्ध पचतै किए पानि रुचतै
ई कर्ते जँ बेशर्म हो की कऽ सकबै

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि। किछु शेरमे एक अक्षरीय दीर्घकेँ लघु मानि लेबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

 

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों