शनिवार, 6 जुलाई 2019

गजल

हौआ एलै राजाजी के राजमे
की नै भेलै राजाजी के राजमे

चतरल पसरल घनगर हरियर गाछ सभ
बड़ मुरझेलै राजाजी के राजमे

पातर गहुमन धामन आरो साँप सभ
बड़ मोटेलै राजाजी के राजमे

जे चौपेतल चुनरी छातीपर रहै
से उधिएलै राजाजी के राजमे

नीरो बनि गेलै चूनल सरकार आ
बंसी टेरै राजाजी के राजमे

सभ पाँतिमे 22 22 22 22 212 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि



सोमवार, 1 जुलाई 2019

गजल

बनि ठनि रचि रचि कऽ सिंगार केलक ओ
हमर सारापर पिकनिक मनेलक ओ

गरीबक हिस्सा खेलक पचेलक ओ
तकर बादे धारे झा कहेलक ओ

चलब नियति छै जीवन केर ई कहि कऽ
बाटे घाटे अनवरत घुमेलक ओ

पहिने बनेने छल बम गोली मुदा
अइ बेर हमरा पायल बनेलक ओ

अनचिन्हारे सन कठकरेज बुझलक
तँइ उदास खिस्सा हँसि कऽ सुनेलक ओ

सभ पाँतिमे 22-22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों