शेर जे सभ दिन शेर रहतै लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
शेर जे सभ दिन शेर रहतै लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 15 मई 2020

शेर जे सभ दिन शेर रहतै-2

प्रस्तुत अछि योगानंद हीराजीक ई शेर आ एकरा उपर किछु हमर बात--

शूल सन बात ई
संसदे जेल अछि

जाहि गजलसँ ई शेर लेल गेल अछि तकर बहर 2122+12 अछि। एहि शेरमे संसदकेँ जेल कहल गेल छै मुदा संसदमे तँ नेता रहै छै। मुदा जँ नेता रहितै तखन फेर शाइर लेल शूल सन बात किए होइतै? किछु अलग बात छै। लगभग १९६० सँ भारतीय राजनीतिमे बाहुबली सभ दबदबा राखए लागल जे कि १९९० धरि अबैत-अबैत स्थायी भऽ गेलै एवं आब ई हाल छै जे नेता आ अपराधीमे कनो विशेष अंतर नै रहलै। आ जखन अंतर नहिए छै तखन तँ संसदे जेल हेतै मुदा ई साधारण जेल नै। ई एहन जेल अछि जाहिमे अपराधी अपन सजा अपने सुनाबै छै। हीराजीक ई शेर भारतीय राजनीति केर एक्स रे प्लेट अछि जाहिमे अहाँ साफ-साफ देखि सकैत छी जे भारतीय राजनीतिमे की भऽ रहल छै। मात्र सात-आठ शब्दमे साठ-सत्तर सालक बात कहि देब एहि शेरक विशेषता अछि आ सेहो बिना कोनो भयकेँ। मैथिली गजलक बहुत रास शेरमेसँ ई शेर अपन अलग स्थान राखैए। 

शेर जे सभ दिन शेर रहतै-1

सीताराम झाजीक ई शेर अछि जाहिपर हमर संक्षिप्त विचार देखल जाए ---

अछि देशमे दुपाटी कङरेस ओ किसानक
हम माँझमे पड़ल छी बनि कै बिलाड़ि तीतल

जाहि गजलक ई शेर अछि तकर बहर अछि 2212+ 122+2212+ 122 ई शेर तहियाक अछि जहिया भाजपा नै रहै आ ओकर पितृसंगठन राजनीतिमे नै रहै। आइ केर समयमे किछु परिवर्तनक संग देश दुइए पार्टीसँ चलि रहल अछि। आ जनता ओही समय जकाँ एखनो भीजल बिलाड़ि बनल अछि। एहि आधारपर कहि सकैत छी जे सीताराम झाजी ई शेर कालजयी अछि आ अपना समयकेँ भेदन करैत एखुनको समय लेल प्रासंगिक बनल अछि। कतेको देशमे दुइए राजनीतिक दलकेँ मान्यता छै मुदा भारतमे कोनो सीमा नै मुदा प्रवृतिक हिसाबसँ देखी तँ भारतीय जनता सेहो दुइए पार्टीक अवधारणापर काज करैत अछि।
तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों