भहरल भीत नै उठाउ यौ पाहुन
जर्जर टाट नै सटाउ यौ पाहुन
खाली छाड़बै उछेहबै भरि दिन
चार चुबैत नै बचाउ यौ पाहुन
पाकल काँच जेहने धरे भरिमे
बाहर नाक नै कटाउ यौ पाहुन
धधकै आगि खड़ खड़ेल पजरल छै
पाइन ढारि नै जराउ यौ पाहुन
सगरो खाम गेल सड़ि हबेलीके
‘मनु’केँ हँसि क नै बजाउ यौ पाहुन
(मात्राक्रम- 2221-212-1222 सभ पाँतिमे। दोसर शेरकेँ, दोसर पाँतिमे दू टा लघुकेँ दिर्घ मानक छूट लेल गेल अछि)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’