शनिवार, 26 अक्टूबर 2024

गजल

ताड़ीमे कतए मद  जे चाही जीबै लेल

माहुरमे कुन जीवन चाही जे गीजै लेल 

 

बाँकी नहि  ताड़ीएटा टूटल मोनक हेतु

जीवनमे एकर बादो बड़ अछि पीबै लेल

  

सिस्टममे फाटल अछि मेघसँ धरती धरि कोढ़

एतय कतयसँ दरजी सिस्टम सीबै लेल

 

जीतब हारब सदिखन लगले अछि जीवन संग

फेरसँ उठि कोशिश नमहर हेतै जीतै लेल

 

मोनसँ करबै ‘मनु’ अप्पन जीवनकेँ तैआर

कर्मक बीया सगरो बहुते अछि छीटै लेल

 

(बहरे विदेह, मात्राक्रम 2222-2222-222-21 सभ पाँतिमे)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों