एहि ठाम साट हेराए गेलै रामा
फेर आइ बलम बौराए गेलै रामा
चढ़ल साइठक जबानी केहन बुढ़बापर
चुलहाक नार चोराए गेलै रामा
गाममे बसल घरे घर छै कंठी धारी
साँझ परल माँछ झोराए गेलै रामा देख ढंग पुतक करनी आजुक आँगनमे
बाप केर आँखि नोराए गेलै रामा
‘मनु’ समाजमे सगर मोदी जीकेँ अबिते
माल संग चोर पकराए गेलै रामा
(मात्रा क्रम : २१२१२१-२२२२-२२२)
जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें