हाथमे वेद रहै
जीहमे छेद रहै
घेंटमे घेंट फँसल
मोनमे भेद रहै
ठोर बस हँसि रहल
मोन निर्वेद रहै
खून सभ चूसि रहत
से तँ उम्मेद रहै
साँप सभ एक समान
मात्र विष भेद रहै
सभ पाँतिमे 212+2112 मात्राक्रम
अछि।
अंतिम शेरक पहिल पाँतिमे अंतमे
अतिरिक्त लघु लेबाक छूट लेल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
Ego kono maithili geet k side batbu jay mein geet load bh jaye hm bar koshish kelou muda nye bhel s aanha sb s hmr aagrah ya j ego side batabu
जवाब देंहटाएं