मंगलवार, 10 अप्रैल 2018

गजल

किछु बातक आर्थिक कारण
किछु बातक आत्मिक कारण

जीवन भरि 
लगले रहलै
दैनिक साप्ताहिक कारण

अर्थक जे रहस्य खुजलै

तकरो छै शाब्दिक कारण

छै हुनकर विनती पाछू

छोट्टे सन मार्मिक कारण

एकटा अलौकिक खातिर

बहुते छै लौकिक कारण

सभ पाँतिमे 222-222-2 मात्राक्रम अछि
। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों