बुधवार, 20 जनवरी 2021

गजल

गलल छै पाथर मोमक दुनियाँमे
कहाँ किछु साबुत मोहक दुनियाँमे

फरेबे भेटल दोसक दुनियाँमे
इलाजो नै छै चोटक दुनियाँमे

नियम निष्ठा बचि जेतै हमरे लग
जरूरी नै छै पेटक दुनियाँमे

चला देबै दौड़ा देबै तैयो रहत ओ फेरो लोथक दुनियाँमे

बहुत बड़का ई जादू छै हुनकर पिया देने छै ओसक दुनियाँमे

मिटाबै हमरा सदिखन ई कहि जे कियो ने पढ़तौ तेजक दुनियाँमे

सभ पाँतिमे 1222-222-222 मात्राक्रम अछि। ई बहरे गोविन्द अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों