रविवार, 29 नवंबर 2026

गजल

रंग  मलि सगरो लगोलनि गाल साजन

हम छलौं बैसल कि केलनि हाल साजन

 

भेल लाजसँ  लाल मुँह  छनमे हमर ई

बाँधि लेलनि पाँजमे बनि जाल साजन

 

फागुनक महिना समय अछि ई उमंगक

बड़ सुखद बीतत सिनेहक काल साजन

 

दुख दरद जिनगीक सबटा हम बिसरलौं

रंगलौं जे प्रेममे भरि साल साजन

 

ई सिनेहक हो परब कखनो खतम नहि

मोन केने ‘मनु’ हमर रहि  लाल साजन

 

(बहरे रमल, मात्राक्रम : 2122-2122-2122)

✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’


तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों