मंगलवार, 21 जुलाई 2020

मैथिली गजल


फूसि  के  आगू   कते  ई   सच  लचार  अछि
आबि   ठोरक   कोनटा  तँइ  धेने  ठार  अछि

ओस  गाल  पर, जेना  पनिसोखा  उगल अइ
आँखिमे  ओकर  हमर  जीवन  के  सार अछि

अइ जँ  ई जिनगी  नदी  सभहक  तखन  फेर
दुःख-सुख   एकर  बुझू   दूटा   किनार  अछि

सब  कियो  अहि  जगमे   ऋणी  ओकरे  अइ
मृत्युपर  जिनगी  अपन  सभहक  उधार अछि

ई बसात अइ आकि अछि पायल के छम-छम
भ्रम  में  छी  जे  कियो  आयल  त  द्वार अछि

~आशुतोष मिश्रा 'अज़ल'

बह्र-ए-रमल मुसद्दस सालिम

फ़ाइलातुन् फ़ाइलातुन् फ़ाइलातुन्

वज़्न:-२१२२/२१२२/२१२२


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों