सोमवार, 19 फ़रवरी 2018

गजल

खेत दहेलै हमर
पेट बिकेलै हमर

मोन द' गेलै तखन
मोन ल' गेलै हमर

साँच रहै आबि गेल
झूठ नुकेलै हमर

देह रहै ठक सदा
जान ठकेलै हमर

आँखि हुनक देखिते
आँखि जुड़ेलै हमर

सभ पाँतिमे 21-122-12 मात्राक्रम अछि। तेसर शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों