शनिवार, 10 फ़रवरी 2018

बाल गजल

पापा यौ चकलेट खेबै
कनिये नै भरिपेट खेबै

छुछ्छे कोना नीक लगतै
नमकिन बिस्कुट फेंट खेबै

हमहीं टा नै एसगर यौ
संगी सभके भेंट खेबै

मानब एके टासँ नै हम
पूरा दू प्याकेट खेबै

कुन्दन भैया आबि जेथिन
बांकी ओही डेट खेबै

222-221-22

© कुन्दन कुमार कर्ण

www.kundanghazal.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों