किछु नै भेलहुँ जीवनमे
अपजश लेलहुँ जीवनमे
जहिया जखन भूख लागल
धोखा खेलहुँ जीवनमे
दुख दर्द आ नोरे नोर
अतबे धेलहुँ जीवनमे
अपन मरजीसँ गेल रही
अपने एलहुँ जीवनमे
बहुत बेर बहुत कारणसँ
मूँहे बेलहुँ जीवनमे
सभ पाँतिमे 22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें