रंग मलि सगरो लगोलनि गाल साजन
हम छलौं बैसल कि केलनि हाल साजन
भेल लाजसँ लाल मुँह छनमे हमर ई
बाँधि लेलनि पाँजमे बनि जाल साजन
फागुनक महिना समय अछि ई उमंगक
बड़ सुखद बीतत सिनेहक काल साजन
दुख दरद जिनगीक सबटा हम बिसरलौं
रंगलौं जे प्रेममे भरि साल साजन
ई सिनेहक हो परब कखनो खतम नहि
मोन केने ‘मनु’ हमर रहि लाल साजन
(बहरे रमल, मात्राक्रम : 2122-2122-2122)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें