शनिवार, 23 नवंबर 2013

गजल

प्रस्तुत अछि योगानंद हीरा जीक गजल। हुनक ई गजल प्रबुद्ध सौरभ जीक सहयोगसँ।

देखू बौआ
आयल कौआ

छतपर बैसल
माँगय खोआ

कुचरय आनय
पाहुन कौआ

विरही पीड़ा
जानय कौआ

कानय बौआ
पकड़य कौआ

एके आँखिन
देखय कौआ


सभ पाँतिमे २२२२ मात्राक्रम।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों