आँखि हमर दास हुनक
अदना नै खास हुनक
आब खरिहान संगे
छै पूरा चास हुनक
धेलकनि हाट बजार
मोश्किल उगरास हुनक
दुइए टा सच ऐठाँ
आस हमर आस हुनक
एहन केने कहियो
नै हेतनि बास हुनक
सभ पाँतिमे 22 22 22
मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें