बुधवार, 8 सितंबर 2021

गजल

शुभ सुमंगल जोग जौबन
आइ लीखल जोग जौबन

बेरपर के काज एतै
पूछि बैसल जोग जौबन

राजनीतिक मंच माध्यम
फेर भेटल जोग जौबन

मर्म बुझियौ किछु पियासक
छै अछिंजल जोग जौबन

देह अलगे घाम एकै
थाकि सूतल जोग जौबन

सत्य अतबे छै जगतमे
भ्रम पसारल जोग जौबन

सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम अछि। ई बहरे रमल मोरब्बा सालिम वा बहरे रमल सालिम चारि रुक्नी अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों