कोना अहाँकेँ घुरि कहब आबै लेल
बड़ दूर गेलौं टाका कमाबै लेल
नै रीत कनिको प्रीतक बुझल पहिनेसँ
टूटल करेजा अछि किछु सुनाबै लेल
ठोकर कपारक लागल जखन सबतरिसँ
नहि नोर आँखिक बचलै नुकाबै लेल
सदिखन अहाँ बैसल मोनमे बनि मीत
की दूर गेलौं हमरे कनाबै लेल
कोना क ‘मनु’ कहतै आब अप्पन दोख
घुरि आउ फेरसँ दुनियाँ बसाबै लेल
(बहरे सलीम, मात्रा क्रम 2212-2221-2221)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें