शुक्रवार, 10 अप्रैल 2020

गजल

डगर डगर मुँहतक्की छै
जकर तकर मुँहतक्की छै

सरकार भेलै ओकरे
सगर नगर मुँहतक्की छै

घड़ी घड़ी छन छन पल पल
पहर पहर मुँहतक्की छै

गुप्त खाता खोलि देखू
ककर ककर मुँहतक्की छै

धुँआएल मूँहक संगे
जगर मगर मुँहतक्की छै

सभ पाँतिमे 22-22-22-2 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबा छूट लेल गेल अछि।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों