रविवार, 5 अप्रैल 2020

गजल

ई सभ चर्चित भेलै
ओ सभ वर्जित भेलै

कनिएँ अर्जित भेलै
बहुते गर्वित भेलै

केकरो सुख लेल ओ
बहुते मर्दित भेलै

हुनकर मुँहदेखीमे
वएह अर्पित भेलै

अते सुरक्षा देखि कऽ
खतरा हर्षित भेलै

सभ पाँतिमे 22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबा छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों