रविवार, 12 अप्रैल 2020

गजल

ओकर हँसीमे उधिआइ छी हम
ओकर खुशीमे नितराइ छी हम

एहन बाटपर अगुताइ छी हम
ओहन बाटपर भुतलाइ छी हम

एहन ओहन आ अत्ते ओत्ते
आब बस अतबे सपनाइ छी हम

ई किए आ ओ किए नै तइपर
असगरमे खूब अगुताइ छी हम

अनचिन्हार बनि कऽ आएल रही
अनचिन्हारे बनि कऽ जाइ छी हम

सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानि लेबाक छूट लेल गेल अछि।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों