सोमवार, 6 अप्रैल 2020

गजल

बहुते प्रयास केने छै
अपने विकास केने छै

किछु ने किछु हेबे करतै
से सभ अभास केने छै

गालक लाली कहलक ई
खाता विलास केने छै

असली भूखक शोध लेल
नकली उपास केने छै

अनचिन्हारक मोन लगा
हमरा उदास केने छै

सभ पाँतिमे 222-222-2 मात्राक्रम अछि। दू अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानि लेबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों