सोमवार, 22 जून 2020

गजल

पानि कादो थाल की छै
बोनि उपजा टाल की छै

प्रश्न ईहो पूछि देलक
आर कहियौ हाल की छै

साधि लेलक दर्द सभटा 
राग सुर आ  ताल की छै

घीचि लेतै प्राण सभहक
जीह की छै खाल की छै

गेल सौतिन फेर पोखरि
माछ पुछतै जाल की छै


सभ पाँतिमे 2122-2122 मात्राक्रम अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों