सोमवार, 8 जून 2020

गजल

घड़ी दू घड़ी जे बिता गेल भमरा
बहुत बात हमरा सिखा गेल भमरा 

गमक लीखि देबै मधुर रस परागो
जदी गाछ फूलक पटा गेल भमरा 

निमाहब कठिन छै हलाहल समाने
अपन आन खातिर बिका गेल भमरा 

हमर टीस लेलक अपन टीस देलक
तकर बाद किम्हर नुका गेल भमरा

रहै दाग पुरना मुदा दर्द नवके
हवन कुंड लग सकपका गेल भमरा 

सभ पाँतिमे 122-122-122-122 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों