मंगलवार, 9 जून 2020

गजल

गतिहत संगत झंझट डेरा
मतिहत पंगत अगबे फेरा

अपने पुरखा कहने रहथिन
करनी जनिअह मरनी बेरा

एना मरतै आलू कोबी
ओना मरतै झिमनी घेरा

बहुते नखरा राँगल जंतुक
शेरक मुद्रा बैसल शेरा  

एकै पेटक तीनू बच्चा
सरदर तख्ता खुहरी चेरा

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आममत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों