शुक्रवार, 10 मार्च 2017

अपने एना अपने मूँह-36

जनवरी 2016 मे कुल 7 टा पोस्ट आएल जइमे ओमप्रकाशजी आ नीरज कर्णजीक 1-1 टा गजल अछि। आशीष अनचिन्हारक 3 टा गजल आ 2 टा बाल गजल अछि।

फरवरी 2016 केर कुल 3 टा पोस्टमे आशीष अनचिन्हारक 3 टा गजल अछि।

मार्च 2016मे कुल 5 टा पोस्ट भेल जइमे ओमप्रकाशजीक 4 टा गजल आ कुंदन कुमार कर्णजीक 1 टा गजल अछि।

अप्रैल 2016मे कुल 5 टा पोस्ट भेल जइमे अमित मिश्रक 1 टा गजल, आशीष अनचिन्हारक 3 टा गजल आ 1 टा भक्ति गजल अछि।

मइ 2016मे कुल 13टा पोस्ट भेल जइमे कुंदन कुमार कर्णजीक तीन टा पोस्टमे 2टा गजल आ 1टा आलोचना अछि। जगदानंद झा मनुजीक 2टा पोस्टमे 1टा आलोचना आ 1टा भक्ति गजल अछि। अमित मिश्रजीक 2टा पोस्टमे 2टा गजल अछि। आशीष अनचिन्हारक 6टा पोस्टमे 3टा गजल, 1टा मैथिली गजलक अंग्रेजी अनुवाद आ 1टा पोस्टमे जगदीश चंद्र ठाकुर अनिलजीक आलोचना प्रस्तुत कएल गेल अछि।

जून 2016मे कुल 9टा पोस्ट भेल जइमे तीन पोस्टमे ओमप्रकाशजीक तीनटा गजल अछि। कुंदन कुमार कर्ण, नीरज कर्ण ओ जगदानंद झा मनु जी अपन-अपन 1-1टा पोस्टमे 1-1टा गजल प्रस्तुत केलाह। आशीष अनचिन्हारक तीनटा पोस्टमे तीन टा गजल अछि।

जुलाइ 2016मे कुल सातटा पोस्ट भेल जइमे कुंदन कुमार कर्ण जीक 1टा गजल आ 1टा अंग्रेजी गजल अछि। आशीष अनचिन्हारक 5टा पोस्टमे 3टा गजल, 1टा रुबाइ, 1टा आलोचना आ 1टा पोस्टमे ओमप्रकाश जीक गजलपाठक भीडियो प्रस्तुत कएल गेल अछि।

अगस्त 2016मे कुल 6टा पोस्ट भेल जइमे जगदानंद झा मनुजीक 2टा गजल आ आशीष अनचिन्हारक 4टा गजल आएल।

सेप्टेम्बर 2016मे कुल 6टा पोस्ट आएल जइमे कुंदन कुमार कर्णजीक 1टा गजल आ आशीष अनचिन्हारक 5टा गजल अछि।

अक्टूबर 2016 केर 9 कुल टा पोस्टमे आशीष अनचिन्हारक 9टा गजल आएल।

नवम्बर 2016मे कुल 11टा पोस्ट भेल जइमे आशीष अनचिन्हारक 9टा गजल आ 2टा भक्ति गजल अछि।

दिसम्बर 2016मे कुल 7टा पोस्ट भेल जइमे आशीष अनचिन्हारक 7टा गजल अछि।




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों