शुक्रवार, 31 मार्च 2017

आशीष अनचिन्हारक सभ बाल गजल एकैठाम

1

भोरे उठि मैदान गेलै बौआ
ओम्हरहिसँ दतमनि तँ लेतै बौआ

पोखरिमे नीकसँ नहेतै धोतै
चिक्कन चुनमुन बनि क' एतै बौआ

सरिएतै पोथी पहिरतै अंगा
इस्कूलो खुब्बे तँ जेतै बौआ

नै रखतै दोस्ती खरापक संगे
पढ़ि बड़का डाक्टर तँ बनतै बौआ

सभहँक करतै मदति सोना बेटा
सदिखन नीके बाट चलतै बौआ

हरेक पाँतिमे दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ-ह्रस्व-दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ

2

मामा हमर खटाइ छै
मामी मुदा मिठाइ छै

नानी रखै नुका नुका
मौसी हमर बिलाइ छै

माए हमर तँ पानि सन
बाबू हमर सलाइ छै

भैया रहै डरल डरल
भौजी हमर अताइ छै

गुड्डी जकाँ उड़ल फिरी
दीदी हमर लटाइ छै

सभ पाँतिमे 2212+12+12 मात्राक्रम अछि।
@

जे नै करत पढ़ाइ रौ
छौंकी तकर दवाइ छै

3
कौआ कारी बौआ गोर
बेटी उठलै भोरे भोर

मारा मारी चिकरा चिकरी
कानै बाजै खसबै नोर

धम धम छम छम गम गमसँ
चमकै बिजुरी पोरे पोर

भानस बनलै थारी सजलै
सुगनी पीबै झोरे झोर

भैया मारै जक्खन खूब
हन हन पट पट बजबै ठोर

सभ पाँतिमे 222-222-21 मात्राक्रम अछि।


दोसर आ चारिम शेरक अंतिम दीर्घकेँ लघु मानबाक छूट लेल गेल अछि।

4

सोना हमर बुधियार सन
मंदिर महँक जैकार सन

भोजन भगत बदमाश छै
काजक समय बेकार सन

भुसबा तिलबा लाइ धरि
सदिखन तँ चूबै लार सन

बिनु पाइकेँ ने बात छै
आगू बनत पैकार सन

इस्कूल नै जेतै मुदा
नम्बर तँ चाही भार सन

सभ पाँतिमे 2212+2212 मात्राक्रक अछि।

मतलाक पहिल पाँति हेलो मिथिलामे सुनल गीतसँ प्रेरित अछि।

5

नानी मौसी मामा दे
कक्का काकी बाबा दे

हमरो चाही किछु ने किछु
काशी मथुरा काबा दे

पिज्जा बर्गर चारि दिनक
मुरही भुज्जा लाबा दे

हमहूँ बनबै सोना सन
चुल्हा भट्ठी आबा दे

बरखा बुन्नी अपने छै
घैला चुकरी डाबा दे

सभ पाँतिमे 22+22+22+2 मात्राक्रम अछि।
तेसर शेरक पहिल पाँतिमे दूटा अलग लघुकेँ एकटा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।


सुझाव सादर आमंत्रित अछि

6

खिचड़ी भेटल गरम गरम
चोखा लागै लरम लरम

पापड़ घी ओ अचार सभ
हमरा मोनक भरम भरम

भोजन बादें भजन हवन
पेटक पूजा धरम धरम

चाहे जेहन लगै रहै
खेबामे नै शरम तरम

खेलहुँ खिचड़ी चमकि छमकि
भेटल मुख सुख परम परम


सभ पाँतिमे 22+22+12+12 मात्राक्रम अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि

7
ऐ बाल गजलक पहिल तीन शेर आ तकर बादक तीन शेर अलग-अलग पढ़ल जाए--

रसगुल्ला दे छेना दे
नै लेबौ कम पूरा दे

हमरा थारीमे पुच्छी
नै खेबौ हम मूड़ा दे

माछी खसलै थारीमे
हमरा दोसर पूआ दे

खेलहुँ माँड़े भात सदा
आइ तँ हमरा चूड़ा दे

कत्ते घुमबै गाछीमे
कनियें टा बस दूरा दे

माटरजी माँगै पैसा
हमरा पहिने पैसा दे

सभ पाँतिमे मात्राक्रम 222+222+2 अछि।

चारिम शेरक दूनू पाँतिमे 2टा लघुकेँ 1टा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

8

कुक्कुर भूकै गाछीमे
तेल लगा ले लाठीमे

भैंसी गैया सभ संगे
मोन लगैए पाठीमे

हमरो हेतै दाढ़ी मोछ
केशो हेतै छातीमे

नै चाही सुइटर फुइटर
गर्मी लागै गाँतीमे

ठकना फेकू मखना सभ
भगलै मारा मारीमे

सभ पाँतिमे 222+222+2 मात्राक्रम अछि।
पहिल आ दोसर शेरक दोसर पाँतिमे दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। संगे संग तेसर शेरक पहिल पाँतिक अंतमे एकटा अतिरिक्त लघु केर छूट लेल गेल अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

9
लाठी लेने घूमै बौआ
सदिखन हल्ला मचबै बौआ

बाबा बूलथि नहुँए नहुँए
आगू आगू भागै बौआ

राखल छै चिन्नी कोनामे
सभटा लिल्ला जानै बौआ

रूसै फूलै कानै बाजै
झटपट तैयो मानै बौआ

ने पढ़तै ने लिखतै खाली
भरि भरि थारी खेतै बौआ

सभ पाँतिमे 222+222+22  मात्राक्रम अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

10

आमुन बेटी जामुन बेटी
लिच्ची सनकेँ दारुन बेटी

सरदी गरमी पुरबा पछबा
सावन भादव फागुन बेटी

धो पोछि क' सगरो चमकाबै
आँगन बासन साबुन बेटी

अनका घरकेँ पोसै पालै
हमरा घरकेँ पाहुन बेटी

सभहँक उप्पर जूति चलेतै
कानन बाजन कानुन बेटी


सभ पाँतिमे 222+222+22 मात्राक्रम अछि।
तेसर आ अंतिम शेरक पहिल पाँतिमे दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। तेनाहिते मूल शब्द "कानून" छै मुदा काफिया ओ लयकेँ रक्षा करैत "कानुन" कहल गेल अछि।
दारुण लेल दारुन कहल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

11

जाइंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे
नाचिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे

खोलिंग द बरतन लेइंग द चिन्नी
खाइंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे

मारिंग द लाठी फोरिंग द माथा
भागिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे

हगनी मुतनी आ छेछरिया कटनी
पादिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे

बात घरैया सभ हो की उम्हरकेँ
बाजिंग द गाछीमे चुप्पे चुप्पे

सभ पाँतिमे 22222+22222 मात्राक्रम अछि

अधिकांश पाँतिमे दूटा अलग-अलग लघुकेँ एकटा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि

12


इस्कूल बंद हतै बाह रे बाह
मास्टर उदास भेलै बाह रे बाह

माए हमर पसारै खूब मुस्की
बस्ता हमर छिनेतै बाह रे बाह

किरकेट खेलबै हम खेतमे आब
डबरामे गेंद जेतै बाह रे बाह

फूटल मुदा ई निगर बोइयामेसँ
खटगर अचार खेबै बाह रे बाह

बाबा डरा कऽ हमरा नै घुमेता तँ
हमहीं घुमा कऽ एबै बाह रे बाह

सभ पाँतिमे 2212+ 1222+1221 मात्राक्रम अछि।

दोसर, तेसर आ चारिम शेरमे दीर्घकेँ लघु मानबाक छूट लेल गेल अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि

13

दिवाली एलै धम धम धम
फटक्का फूटै बम बम बम

जरै डिबिया सभहँक आँगन
करै दरबज्जा चम चम चम

खतम भेलै फुलझरियो से
बहन्ना करही कम कम कम

किनेबै चकरी जेबी भरि
जरेबै खाली हम हम हम

सभ पाँतिे 1222-2222 मात्राक्रम अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

14

गेलै उक्पाती बुढ़िया बाड़ीमे
लगले रहलै तेल हुनक लाठीमे

हमरा लोकनि फैलसँ कड़ुगर झँसगर
बड़ सनगर भक्का खेलहुँ गाछीमे

चोरक हल्ला सुनलहुँ सभहँक मूँहे
ताला आनि लगा देलहुँ काँपीमे

बथुआ खुब्बे नीक लगैए तैयो
धेआन हमर बसिया खेसारीमे

हमरा हेलब चुभकब नीक लगैए
पोखरिमे नालामे की नालीमे

सभ पाँतिमे 222+222+222+2 मात्राक्रम अछि
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।


सुझाव सादर आमंत्रित अछि

15

छोट्टे सनकेँ हम्मर बौआ
नमहर नमहर ता ता थैया

उज्जर बगुला हरियर सुग्गा
ललका मैना कारी कौआ

थारी बाटी भरले सनकेँ
खत्मे छै तिलकोरक तरुआ

दूधक पौडर तोरे लेल
चिन्नी खेतै पौआ पौआ

हम्मर बौआ बेली सनकेँ
सुंदर सुंदर गेंदा गेंदा

सभ पाँतिमे आठ टा दीर्घ मात्राक्रम अछि
चारिम शेरक पाहिल पाँतिक अंतिम लघुकेँ संस्कृत काव्यशास्त्रानुसार दीर्घ मानल गेल अछि।


सुझाव सादर आमंत्रित अछि

16

खेने रहियै आमक कुच्चा
चिनियो लागै खट्टे खट्टा

हमरा नामे कोड़ो बाती
हमरे नामे खुट्टा खुट्टा

हमरा सन के छै उकपाती
सभके मारी घुस्से घुस्सा

छै झिल्ली कचरी आलूचप
मुरही फाँकी फक्के फक्का

नै नीक लगैए मस्टरबा
नीक लगैए अट्टा पट्टा


सभ पाँतिमे 22+22+22+22 मात्राक्रम अछि।
अंतिम शेरक दूनू पाँतिमे अलग-अलग लगूकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

17

मोजा दे जुत्ता दे सीड़क दे सुइटर दे
बड़ ठंडा लागै बस चद्दरि दे मफलर दे

सुनि ले हमहूँ करबै खूब तमाशा सौंसे
तंतर दे अंतर दे जंतर दे मंतर दे

बड़ भूकै छै करिया कुक्कुर जोरे जोर
टुटतै एक्कर हड्डी बस लाठी नमहर दे

कफ जमि गेलै छातीमे खोंखीपर खोंखी
तँइ तरकारी बेसी कड़ुगर दे झँसगर दे

चिन्नी दे गूड़ो दे कुच्चा संगे दूधो
खट्टा खेबौ कम हमरा बेसी मिठगर दे

सभ पाँतिमे बारहटा दीर्घ अछि।
दू टा अलग-अलग लघुकँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
तेसर शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघुकेँ संस्कृतक हिसाबें दीर्घ मानल गेल अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

18

चिन्नी खेलहुँ चोरा चोरा
आरो धेलहुँ चोरा चोरा

भैया छै बड़का तँइ हमहूँ
बड़का भेलहुँ चोरा चोरा

हमरो जे कनियाँ रहितै से
खुब्बे गेलहुँ चोरा चोरा

गेल छलहुँ गाछी पिकनिक लेल
आँगन एलहुँ चोरा चोरा

जे भेटल जत्ते भेटल से
सभटा लेलहुँ चोरा चोरा

सभ पाँतिमे 22+22+22+22 मात्राक्रम अछि
चारिम शेरक पहिल पाँतिमे अलग-अलग लघुकेँ मिला कऽ दीर्घ मानल गेल अछि। एही पाँतिक अंतिम लघु अतिरिक्त अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।


19

छै ईसू बीसू जीसू मीसू
हम्मर बौआकेँ बड़का बूझू

जीबू जाबू आ ढनढन पादू
खिलखिल झिलमिल चुनमुन सन लागू

बौआकेँ नानी सुंदर सुंदर
हुनकर गालेपर हरदी पीसू

उपटन पिसतै बौआकेँ मौसी
हुनकर नाम कनी जल्दी बाजू

बाबाकेँ धोती कुरता गमछा
नानाकेँ ढेका जल्दी घीचू

सभ पाँतिमे 222+222+222 मात्राक्रम अछि।
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
संबंध बदलिते संबंधवाची शब्दकेँ बदलल जा सकैए। उदाहरण लेल तेसर शेरमे नानी बदला दादी, बाबी, पीसी, मौसी काकी सेहो आबि सकैए। तेनाहिते चारिम आ पाँचम शेरमे सेहो बदलल जा सकैए।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

20

नीपल पोतल चिक्कन चुनमुन
बेटी हम्मर गुनगुन गुनगुन

ता थइ ता थइ थैया थैया
पायल बाजै रुनझुन रुनझुन

कानै खीजै रूसै फूलै
फेरो नाचै छुनछुन छुनछुन

दौड़ै सदिखन अँगने आँगन
खसितो रहलै ढ़ुनमुन ढ़ुनमुन

पढ़तै लिखतै करतै काज
ऐमे नै किछु गुनधुन गुनधुन

सभ पाँतिमे आठ टा दीर्घ अछि।
अंतिम शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु संस्कृत परंपरानुसार दीर्घ मानल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

21

बकरी आबै अर्रर
कुक्कुर भागै हर्रर

बगड़ा मैना बगुला
कौआ बाजै कर्रर

इम्हर ढन उम्हर ढुन
बौआ पादै भर्रर

भीजै अंगा पैन्टो
बौआ मूतै छर्रर

घिरनी नाचै घन घन
गुड्डी उड़लै फर्रर

सभ पाँतिमे 22-22-22 मात्राक्रम अछि
दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानल गेल अछि।

सुझाव सादर आमंत्रित अछि

22

बड़ सुंदर गलफुल्लू बौआ
घोड़ा गदहा उल्लू बौआ

अंगो भीजल पेन्टो भीजल
बड़ मूतै छुलछुल्लू बौआ

इम्हर कानै उम्हर बाजै
बड़ खच्चर गँड़िखुल्लू बौआ

हरियर पीयर उज्जर कारी
लाल गुलाबी बुल्लू बौआ

आमुन जामुन इमली सिमली
गाछे गाछे झुल्लू बौआ

सभ पाँतिमे आठ टा दीर्घ अछि
चारिम शेरक दोसर पाँतिमे अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

23

मोइन पोखरि नालामे हेली हम
गाछीमे नाची गाबी खेली हम

चोरा जामुन तोड़ी आमो तोड़ी
ई बड़का काज कऽ नमहर भेली हम

हेतौ तोरा अँगनामे पिल्ला तै
आसामे तोहर आँगन एली हम

तागत छै ज्ञानक हमरो हिस्सामे
नहुँ नहुँ धीरे दुनियाँकेँ ठेली हम

बच्चा छी बच्चामे भगवाने छै
ने बाभन ने डोमा ने तेली हम

सभ पाँतिमे दस टा दीर्घ अछि
दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

24

अब्बा पीटै अम्मी चाहै हमरा
खाला भगबै मामू डाँटै हमरा

चुप्पे गेलहुँ घुमि एलहुँ मेला तँइ
बड़का भैया मारै पीटै हमरा

सभ दिनमे चलि एन्नी ओन्नी चलि जाइ
खाली दादा दादी राखै हमरा

हमरो आपा आबै गाबै नाचै
तँइ ओ सुंदर सुंदर लागै हमरा

सुंदर काकी देलथि अरफी बरफी
तँइ कक्का हँसुआ लऽ कऽ काटै हमरा


सभ पाँतिमे दस टा दीर्घ अछि।
तेसर शेरक पहिल पाँतिक अंतिम लघु छूटक तौरपर अछि। टू टा लघुकेँ एकटा दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
खाला= मौसी
आपा=बड़की बहीन

25

तीने वर्णक बनल मिठाइ
तीने वर्णक बनल मलाइ

तीने वर्णक बनल किताब
तीने वर्णक बनल पढ़ाइ

तीने वर्णक बनल सलाह
तीने वर्णक बनल लड़ाइ

तीने वर्णक बनल फचाँड़ि
तीने वर्णक बनल पिटाइ

तीने वर्णक बनल अकास
तीने वर्णक बनल लटाइ

तीने वर्णक बनल इजोत
तीने वर्णक बनल सलाइ

सभ पाँतिमे 22-2212-121 मात्राक्रम अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि


26

पाबनि सन के चाहल बेटी
कबुला सन के मानल बेटी

पीसल पिठार घोरल सिंदुर


अरिपन सन के पाड़ल बेटी

हमरा चाही खाली मिठाइ
ईहो लड़ाइ ठानल बेटी

मेघक कोरसँ जाड़क भोरसँ
सुंदर सुंदर आनल बेटी 

आगू पाछू सभकेँ देखै
से कहियो नै हारल बेटी 

सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि
सुझाव सादर आमंत्रित अछि

27

केखनो हों केखनो हाँ केखनो हर्र केखनो हुर्र
केखनो कों केखनो काँ केखनो कर्र केखनो कुर्र

केखनो भों केखनो भाँ केखनो भर्र केखनो भुर्र
केखनो पों केखनो पाँ केखनो पर्र केखनो पुर्र

केखनो छों केखनो छाँ केखनो छर्र केखनो छुर्र
केखनो चों केखनो चाँ केखनो चर्र केखनो चुर्र

केखनो सों केखनो साँ केखनो सर्र केखनो सुर्र
केखनो गों केखनो गाँ केखनो गर्र केखनो गुर्र

केखनो ओं केखनो आँ केखनो अर्र केखनो उर्र
केखनो फों केखनो फाँ केखनो फर्र केखनो फुर्र


सभ पाँतिमे 222-222-222-222-222 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

28

केहन काहन ढ़ुलढ़ुलिया बच्चा
फेकल फाकल फुलफुलिया बच्चा

ढ़ुनमुन ढ़ुनमुन गुलगुलिया बच्चा
हुलबुल हुलबुल हुलबुलिया बच्चा

छन छन कूदै थुलथुलिया बच्चा
सदिखन बूलै बुलबुलिया बच्चा

छै इम्हर उम्हर किम्हर किम्हर
चुलबुल चुलबुल चुलबुलिया बच्चा

की नवका आ की पुरना पुरना
चीन्है सभकेँ भुलभुलिया बच्चा


सभ पाँतिमे 222-222-222 मात्राक्रम अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों