गुरुवार, 26 मई 2011

गजल

दिल तोड़ि के जे ओ हँसल हम घबरा गेलों
फेर हँसि के जे
ओ कानल हम घबरा गेलों

एकतरफा प्यार में पड़ल रही दुनु गोटे
जखन जानलों एही बात हम घबरा गेलों

प्यार में बिकल घर-बार ते कोनो चिन्ता नाञ
मुदा प्यारे जखन बिकल हम घबरा गेलों

मुखचन्द्र देखि के फुसलाबैत रही दिल के
ओ पराs गेल हमरा से ते हम घबरा गेलों

ग़ज़ल हम लिखय रही ओकरा बिसारि के
ओ याद जखन आएल ते हम घबरा गेलों

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों