बुधवार, 9 मार्च 2011

ग़ज़ल


ग़ज़ल

कहू कोना ? जे, आम आदमी
बनि कय की - की भोगलौं हम
खून - खुनामह भेल करेजा, कोना - कोना क ? जोगलौं हम


बड़ उल्लास भेल बचपन में, हम बड़ सुन्दर, काबिल छी,
गौरव छल जे - बाबू - बौआ
बनि, कोरा में झुललौं हम


भेलौं किशोर, मों
बड़ हुलसल, मुट्ठी में संसार छलय,
धरती
सँ आकाश लोक धरि, लहरेलौं और बुललौं हम


जखन वयस्क भेलौं और आयल कंधा पर दुनिया के भार,

यौवन के गौरव में डूबल, अपन शक्ति के खोजलौं हम

देश - समाजक और कुटुम्बक, अनुभव के क
ड़वाहट में,
बेर - बेर बनि कय अभिमन्यु , चक्र - व्यूह में फँसलौं हम


जाहि घडी तक आन लोक सब दुश्मन छल, मदमस्त छलौं,
बज्र माथ पर बजरल लेकिन, ओकरो स
हि कय बचलौं हम


अपन खून सँ चोट जे लागल, सब बुद्धि - बल बिसरायल,
सुनल बात छल एक बेर के, लाख बेर पर मरलौं हम


जीवन सच में बड़ भारी छल, आदर्शक पथ और कठिन,
राम - नाम अवलंब रहल त, कुहरि -
कुहरि कटलौं हम


रचनाकार - अभय दीपराज

3 टिप्‍पणियां:

  1. बाह दीपराज जी आब मैथिली गज़ल के दिन सुधरि जेतै| आरो आशा अछि हमरा सभ के

    जवाब देंहटाएं
  2. गजेन्द्र ठाकुर3/09/2011 1:39 pm

    झमका देलियै दीपराज जी।

    जवाब देंहटाएं
  3. षी युत प्रशांत मिश्रा जी और गजेन्द्र ठाकुर जी, नमस्कार | अहाँ सब हमर रचना के पढ़लौं और हमारा प्रोत्साहित कयलौं | एहि लेल हम कृतज्ञ छी | - अभय दीपराज

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों