बजलहुँ हम सरदारे देखि कऽ
लिखलहुँ हम सरकारे देखि कऽ
जनते तँ बनै छै नेता ने
ई बुझलहुँ हम नारे देखि कऽ
बूझल अछि सभ फंडा तैयो
किनलहुँ हम परचारे देखि कऽ
अहाँ जे कहब से कहू मुदा
बदलल हम संसारे देखि कऽ
गहना केहन बनतै से सभ
बुझलहुँ हम सोनारे देखि कऽ
सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि।सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें