वेदरदी नै बुझलक हमरो जखन
जीबू कोना जीवन झहरल तखन
घर घर अछि रावण रामक भेषमे
कतए रहती आजुक सीता अखन
दुश्मन बनि गेलै भाइक भाइ अछि
टाकामे भसिएलै कतए लखन
सुखि गेलै ममता मायक कोइखक
भदबरिया पोखरि सन भेलै भखन
सगरो पसरल ‘मनु’ सहसह दू मुँहा
काइट नै लेए के कतए कखन
(मात्रा क्रम – २२२-२२२-२२१२)
सुझाब आ मार्गदर्शन सादर आमंत्रित अछि
©जगदानन्द झा ‘मनु’
नीक मुदा देवनागरी आ तिरहुत्ता लिपिमे लघुकेँ दीर्घ मानबाक परंपरा नै रहलैक अछि। उर्दू लिपिमे ई सुविधा छै
जवाब देंहटाएंठीक करै केर प्रयास केलहुॅं, एकबेर पुनः देखल जाउ ।
जवाब देंहटाएं