गुरुवार, 21 अगस्त 2014

गजल

वेदरदी नै बुझलक हमरो जखन
जीबू कोना जीवन झहरल तखन

घर घर अछि रावण रामक भेषमे
कतए रहती आजुक सीता अखन

दुश्मन बनि गेलै भाइक भाइ अछि
टाकामे भसिएलै कतए लखन

सुखि गेलै ममता मायक कोइखक
भदबरिया पोखरि सन भेलै भखन  

सगरो पसरल ‘मनु’ सहसह दू मुँहा
काइट नै लेए के कतए कखन     

(मात्रा क्रम – २२२-२२२-२२१२)
सुझाब आ मार्गदर्शन सादर आमंत्रित अछि        

©जगदानन्द झा ‘मनु’

2 टिप्‍पणियां:

  1. नीक मुदा देवनागरी आ तिरहुत्ता लिपिमे लघुकेँ दीर्घ मानबाक परंपरा नै रहलैक अछि। उर्दू लिपिमे ई सुविधा छै

    जवाब देंहटाएं
  2. ठीक करै केर प्रयास केलहुॅं, एकबेर पुनः देखल जाउ ।

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों