करेजामे हमर साजन आबि गेलै
मनक सभ तार बटगबनी गाबि गेलै
हुनक मुस्कीसँ सगरो दुनियाक सम्पति
करेजा जानि नै कोना पाबि गेलै
बलमकेँ दर्द कनिको जनिते हमर मन
कतेको दुख अपन चट्टे दाबि गेलै
बनेलहुँ अपन जखनसँ संगी अहाँकेँ
जिला भरि केर लोकक मुँह बाबि गेलै
बसेने छलहुँ मन मंदिरमे जिनक छबि
हुनक मनकेँ विनय ई ‘मनु’ भाबि गेलै
(बहरे करीब, मात्राक्रम 1222-1222-2122)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें