बाल गजल
कुक्कुर भूकै गाछीमे
तेल लगा ले लाठीमे
भैंसी गैया सभ संगे
मोन लगैए पाठीमे
हमरो हेतै दाढ़ी मोछ
केशो हेतै छातीमे
नै चाही सुइटर फुइटर
गर्मी लागै गाँतीमे
ठकना फेकू मखना सभ
भगलै मारा मारीमे
सभ पाँतिमे 222+222+2 मात्राक्रम
अछि।
पहिल आ दोसर शेरक दोसर पाँतिमे
दूटा अलग-अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। संगे संग तेसर शेरक पहिल पाँतिक
अंतमे एकटा अतिरिक्त लघु केर छूट लेल गेल अछि।
सुझाव सादर आमंत्रित अछि।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें