रविवार, 8 दिसंबर 2013

गजल

धमसँ टुटि गेल चार हम्मर
छै जरल ई कपार हम्मर

देश एना चलैत रहलै
दूध अनकर लथार हम्मर

मार्क्सवादीक ई नियम छै
खेत अनकर पथार हम्मर

देखिते ई हरियरका सभ
टपसँ चुबि गेल लार हम्मर

खीर ओक्कर सनेश ओक्कर
बासि तेबासि माँड़ हम्मर


सभ पाँतिमे 2122+12+122 मात्राक्रम अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों