हम जँ पीलहुँ शराबी कहलक जमाना
टीस नै दुख करेजक बुझलक जमाना
भटकलहुँ बड्ड भेटेए नेह मोनक
देख मुँह नै करेजक सुनलक जमाना
छल कपारक लिखल की कोना कहू ई
आँखि रहितो हमर सुख छिनलक जमाना
नै हमर दोख नै ककरो आर कहियौ
देख हारैत हमरा हँसलक जमाना
दर्द भेटल बुझब नै ‘मनु’केँ कनिक छल
आन अनकर कखन दुख जनलक जमाना
(बहरे असम, मात्राक्रम 2122-1222-2122)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें